News

सामाजिक विकास मन्त्री यादव मैथिलीमे कएलनि सपत ग्रहण।

प्रदेश एकके नवनियुक्त सामाजिक विकास मन्त्री जयराम यादव मैथिली भाषामे पद तथा गोपनियताक सपत ग्रहण कएलनि।

मंगलदिन नवनियुक्त मुख्यमन्त्री राजेन्द्र राई सङ्गे सामाजिक विकास मन्त्रीमे नियुक्त भेल  यादवकेँ प्रदेश प्रमुख सोमनाथ अधिकारी ‘प्यासी’ सपथ ग्रहण करएने छलनि । ओहि क्रममे ओ अपन मातृभाषा मैथिलीमे सपत ग्रहण कएने छनि । नवनियुक्त मुख्यमन्त्री तथा मन्त्रीसबहक सपथ ग्रहणपत्र नेपाली भाषामे टाइप ककऽ लाओल गेलोपर मन्त्री यादव प्रदेश प्रमुख ‘प्यासी’ आगू ओ अपन मातृभाषामे सपत ग्रहण करब बतौने छथि । बादमे सपतपत्रकेँ अपनेसँ भाषा रुपान्तरण ककऽ मन्त्री यादव मैथिलीमे सपत ग्रहण कएलनि हुनक स्वकिय सचिव राकेश रोशन यादव जानकारी देलनि।

मन्त्रीक सपत ग्रहण कऽ अपन निवासस्थल विराटनगर १४ जतुवादिस घुरल यादव अपन घर पहुँचऽ सँ पहिने अपन ग्राम देवताक दर्शन कएने छलनि आ स्थानिय लक्ष्मी नारायण मन्दिर आ रामजानकी मन्दिर समेत पहुँचल छलनि। अहिना विराटनगर १४ के बैरबना चौकमे रहल शहिद सदानन्द यादव आ राजकुमार कामतके शालिकमे माल्यार्पण समेत कएने छनि । तेकर लगिचे मन्त्री यादव क्याबिनेटक पहिल बैठकमे सहभागि हुअ लेल मन्त्रीपरिषदक कार्यालय गेल छलनि। नेता यादव जनता समाजवादी पार्टी नेपालसँ प्रदेश एक सरकारक प्रतिनिधित्व कऽ रहल छनि, नवगठित मन्त्रीसबमे नेकपा माओवादी केन्द्रक नेता ईन्द्रबहादुर आङ्बो आर्थिक मामिला मन्त्री, कांग्रेस नेता हिमाल कार्की भौतिक पूर्वाधार विकास मन्त्री, कांग्रेसके केदार कार्की आन्तरिक मामिला मन्त्री,संघीय लोकतान्त्रिक राष्ट्रिय मञ्चक विष्णुमाया तुम्बाहाम्फे सामाजिक विकास राज्यमन्त्री नियुक्त भेल छथि।

प्रदेश १ क मुख्यमन्त्री भीम आचार्य सोमदिन पदसँ राजीनामा देलाबाद समाजवादीक नेता राईक नेतृत्वमे नवका सरकार गठन भेल अछि । भाषा आयोग किछु समय पहिने सातम प्रदेशक लेल सरकारी कामकाजमे नेपाली भाषाबाहेक प्रयोग हुअ सकऽ वला भाषासब सिफारिस कऽ देने अछि । जइँ अनुसार प्रदेश एकमे मैथिली आ लिम्बू, प्रदेश दूमे मैथिली, भोजपुरी आ बज्जिका, बागमती प्रदेशमे तामाङ आ नेवारी, गण्डकी प्रदेशमे मगर, गुरुङ आ भोजपुरी, लुम्बिनीमे थारू आ अवधी, कर्णालीमे मगर तथा सदूरपश्चिममे डोट्याली आ थारू भाषा सिफारिस कएल गेल अछि .

■ Source : Navin Karna, Biratnagar

Vidyanand Bedardi

Vidyanand Bedardi is Editor of Ilovemithila.com . Poet, Lyricist, Maithili Activist. he is from Rajbiraj, Saptari. विद्यानन्द वेदर्दी जी एहि वेबसाइटके सम्पादक छथि। Email - [email protected]

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Back to top button