News

महोत्तरीक सुधीर कुमार सप्तरीमे कएलथि दहेज मुक्त वियाह

बितल बैशाख १७ गते शुक्रदिन राति महोत्तरीक सिस्वा कटैया निवासी स्व. राम श्रेष्ठ पंडित आ शिवदुलारी देवीक पुत्र सुधीर कुमार पंडित आ सप्तरी, राजविराज वाड नं. १५ मुसहरनियाँ निवासी दानालाल पंडित आ पार्वती देवी पंडितक पुत्री रंजिता पंडितक सामाजिक परम्परा अनुसार दहेजमुक्त वियाह सु-सम्पन्न भेल अछि।

Ad

उक्त वियाहक कार्यक्रममे वर सुधीर कुमार पंडितकेँ दहेज मुक्त मिथिलाद्वारा दोसल्ला ओढ़ाकऽ सम्मान-पत्र सहित सम्मान कएल गेल। दहेज मुक्त मिथिला नेपालक अध्यक्ष श्रीमती करुणा झा एहन वियाहसँ युवासभमे दहेज लेनदेनसँ मुक्त हएबाक कसगर संदेश जा रहल अछि से जनेलथि। सङ्गहि कोनो वर-बधु दहेज मुक्त वियाह जँ करए तँ संस्थाकेँ जानकारी कराबी से जनसामुदायबीच अपिल कएलथि। सम्मानक लेल संस्था सदैव क्रियाशील रहबाक प्रतिबद्धता समेत रखलथि।

दहेज मुक्त वियाहक कार्यक्रममे दहेज मुक्त मिथिला नेपालक अध्यक्ष करूणा झा, संचारकर्मी नवीन निर्भय यादव, स्वास्थ्यकर्मी दीपेन्द्र यादव सहित नव दम्पतिकेँ प्रंशसा करैत शुभकामना एवं आशिर्वाद देलथि।

– नवीन निर्भय यादव
ilovemithila.com

विद्यानन्द बेदर्दी

Vidyanand Bedardi (Saptari, Rajbiraj) is Founder member of I Love Mithila Media & Music Maithili App, Secretary of MILAF Nepal. Beside it, He is Lyricist, Poet, Anchor & Cultural Activist & awarded by Bisitha Abhiyanta Samman 2017, Maithili Sewi Samman 2022 & National Inclusive Music Award 2023. Email : [email protected]

Related Articles

Leave a Reply