News

सिनेमाघर मे मचत ‘गदर’, २२ साल बाद रिलीज हएत ९ जुनके

Ad

अभिनेता सनी देओल आ अभिनेत्री अमीषा पटेलके फिल्म ‘गदर’ हिंदी सिनेमाके सबसँ ब्लॉकबस्टर फिल्ममे गनल जाइत अछि। फिल्मक दोसर पार्टके शूटिंग भ’ रहल अछि। एहि समय बीच फिल्म मेकर्स फिल्म पहिल पार्टके फेरसँ रिलीज करबाक घोषणा कएलनि।

22 सालक अंतरालके बाद ‘गदर’ एक बेर फेरसँ सिनेमाक स्क्रीनपर रिलीज हुअ जा रहत अछि। एहि बात जानकारी सनी देओल अपना सोशल मिडियाक माध्यमसँ देलनि। बृहस्पतिदिन पोस्ट शेयर कएल पोस्टमे अभिनेता देवल फिल्मके रिलीज डेट खुलासा कएलनि ।

बता दी गदर 9 जून के सिनेमाघरमे रिलीज होयत जकर ट्रेलर शुक्रदिन रिलीज कएल गेल। फिल्म ‘गदर’ सनी देओल आ अमीषा पटेलके जोड़ीक कारणसँ जानल जाइत अछि। दुनू के दमदार अभिनय फिल्ममे जान देलक मुदा अहाँकेँ ई बुझि आश्चर्य हएत कि सनी आ अमीषा  दुनू एहि फिल्मके लेल पहिल पसंद नइ छलाह। मेकर्स सनीके जगह गोविदा आ अमीषाके जगह काजॅलकेँ फिल्म मे लै लेल चाहैत छलाह। गोविदा के फिल्म ‘महाराजा’ फ्लप भेला बाद मेकर्स सनीकेँ तारा सिंहके रोल ऑफर कएलनि। ओतहि फिल्ममे शकीनाके किरदार पहिने काजॅल निभाबै वाली छलीह। मुदा डेट नइ हेबाक कारणसँ ओ रोलके रिजेक्ट क’ देलनि। तकर बाद मेकर्स अमीषा पटेल चूज कएलनि। रिपोर्ट अनुसार फिल्म गदर तारा सिंह नामक व्यक्तिके असल जिनगीपर बनल छल ।  सिंहके एक मुस्लिम लड़कीसँ प्रेम भ’ गेल छल जिनका ओ देश बंटवाराक समय भेल सांप्रदायिक दंगाके दौरान बचौलनि।

सनी देओलके गदर बक्स ऑफिसपर टक्कर आमिर खानके लगान संग भेल छल। किएक त दुनू एकहि दिन रिलीज़ भेल छल। दुनू फिल्म दर्शक के पसंद आएल आ बॉक्स ऑफिसपर ब्लॉकबस्टर साबित भेल। एकर अलावा बात करब त गदरके नाम एक विश्व रेकॉर्ड सेहो अछि । फिल्म रिलीजक दौरान 10 करोड़ टिकट बिकल छल। अहाँकेँ बुझिक’ आश्चर्य हएत कि एतेक टिकट बिकल ई विश्वक एक मात्र फिल्म अछि। अहाँ के बता दी गदर हिंदी सिनेमा के तेसर सबसँ बेसी देखल जाएवला फिल्म अछि।

न्युज डेस्क

मैथिली समाचार गतिविधि लेल (I Love Mithila न्युज डेक्स ) । I Love Mithila मे न्युज तथा लेख मुलत: प्रेषित करैत अछि। मैथिली भाषाक नेपालीय मिथिलासँ प्रकाशित अनलाइन समाचार बेवसाइट छी। एकर स्थापना सन् २०२० मे भेल छल।

Related Articles