
इजरायलके दक्षिणी क्षेत्र किवुज अलुमिम स्थानमे प्यालेस्टाइनक हमास आतंकवादी समूहके आक्रमणमे परि १० नेपालीके मृत्यु भेलाक बाद सरकार आइ राष्ट्रीय शोकके घोषणा कएने अछि। मन्त्रिपरिषद् बैठकद्वारा मंगलदिन एक दिन राष्ट्रिय शोकके घोषणा करबाक निर्णय कएने अछि ।
सरकारक प्रवक्ता तथा सूचना आ संचार प्रौद्योगिकी मंत्री रेखा शर्मा, कहलनि “विदेशमे सरकारी कार्यालय आ राष्ट्रीय झण्डा अधा झुकेबाक लेल ई निर्णय लेल गेल अछि। मंत्री शर्मा स्पष्ट कएलक जे ई मात्र राष्ट्रीय शोकके घोषणा अछि, पूरा देशमे छुट्टी नइँ हेत।
सोमदिन आयोजित मंत्रिपरिषदमे आतंकवादी समूहक हमलामे जान गबाबएबला नेपालीसभकेँ हार्दिक श्रद्धाञ्जलि अर्पित कएल गेल आ शोक संतप्त परिवारक प्रति संवेदना व्यक्त कएल गेल।
तहिना मन्त्रिपरिषद् मृतकक शवकेँ यथाशीघ्र नेपाल आनबाक लेल आवश्यक पहल करबाक निर्णय सेहो लेलक अछि। शर्मा कहलक जे मृतकक परिवारकेँ राहतक रूपमे १० लाख टाका देबाक निर्णय सेहो लेल गेल अछि। अर्थ मन्त्रालय गृह मंत्रालयके माध्यमसँ रकम निकासी करत।
आनन्द साह, इजरायल पहुँचला २६ दिनेमे मृत्यु पूरा परिवार सहित मिथिला मधेश शोकमे।

२६ दिन आगुमात्रै इजरायल पहुंचल धनुषाके आनन्द साह प्यालेस्टाइनी कट्टरपन्थी समूह हमासके आक्रमणमे जान चलि गेल।
धनुषाके लक्ष्मीनियाँ गाउँपालिका–४, सपहीके २५ वर्षीय आनन्द साह बितल भादब २६ मे कृषि सम्बन्धी तालिम लेबाक लेल इजरायल गेल रहथि। हुनका संगे नेपालक आओर २५ गोटे विद्यार्थीसभ सेहो उहे तालिमके लेल गेल छल।
आनन्दके मृत्युके बाद परिवारके कोनो सदस्य बाजैके स्थितिमे सेहो नइँ अछि। माएबाबुके चारि सन्तानमध्ये एकमात्र बेटा आनन्द मारल गेल खबरसँ परिवारके साथ पूरा मिथिला मधेशमे शोक आ चिन्ता भरल अछि।
इजरायलमे आक्रमण भेलाक खबर प्रकाशमे आएल संगे आनन्दके बहिन बेर–बेर फोन सम्पर्कके प्रयास कएने छलही। आनन्दसँ सम्पर्क भेलापर हुनकर साथीसँ बातचीतके बाद आनन्दके मृत्यु भेल थाह भेल।
आनन्द साह, अपन डायरीमे अपन जीवनके लक्ष्य २०७८ जेठ १२ गते बुद्ध जयन्तीके दिन लिखने रहथि जे
हम सङकल्प करैछी कि “हम अपना जीवनमे १,००,००,०००/- एक करोड गाछी रोप्बै और ऐगो Oxygen Production Industry खोल्बै ओई के नाम रहतै Brahdev RBSS aanand Oxygen Production Industry. साथे एगो Well Facillitated Hospital खोल्बै और औइ मे कोनो भेद भाव नै होतै।।। Hurrey, wow.!!!
“Thankyou God”
आनन्द, जे जनकपुरक एंजिल्स बोर्डिंग स्कूलसँ एसईई आ मीट क्याम्पसँ प्लस-टू पास कएलक, तखन इजरायल चलि गेल।
प्लस-टू पूरा केलाक बाद आनन्द B.Sc. Ag क अध्ययन करबाक लेल सुदूरपश्चिम विश्वविद्यालयक अन्तर्गत टीकापुर बहुमुखी क्याम्पस, कैलालीमे प्रवेश कएने रहए। कृषि पढ़ाई पूरा केलाक बाद कॉलेज हुनका प्रैक्टिसक लेल इजरायल पठेने रहए।
इजरायल चलि गेलाक बाद आनन्द अपन माता-पिता आ बहिनसँ घरमे प्रतिदिन गप्प करैत छलै। परिवारक सदस्यक सङ्ग अन्तिम बातचीत शुक्रदिन राति लगभग ८ बजे भेल छल। जखन आनन्द फोन कएलक तखन पिता सोमन बाहर छल आ अपन माय आ बहिनसँ गप्प कएने रहए।