News
२२ वर्षीय यादवक विभत्स हत्या

सुनसरी,भोक्राहा नरसिंह वार्ड नं ७ रहनिहार २२ वर्षिय गुणराज यादवक विभत्स हत्या ।
सुनसरी खोलामे एकटा लहास भेटल । सुनसरीक नरसिंह गाउँपालिका ७ मे रहनिहार एक गोट युवा गुणराज यादवक विभत्स तरिकासँ हत्या भेल अछि।
भोक्राहा नरसिंह गाउँपालिकाके २२ बर्षिय युवा गुणराज यादवक हत्या भेल अछि। विभत्स ढंगसँ हत्या क’ स्थानीय सुनसरी खोलामे हुनकर लहासक शव फेकलाक अवस्थामे फेला पड़ल अछि जिला प्रहरी कार्यालय सुनसरीक प्रहरी नायव उपरीक्षक बिनोद शर्मा जानकारी देलथि।
View Also:रौतहटके प्रमुख जिला अधिकारीक रूपमे : यादव
हत्याके कारण कि अछि ? एकर बिषयमे अनुसन्धान भ’ रहल अछि से हुनक कहब अछि। हत्या कएल आरोपमे किछु व्यक्तिकेँ प्रहरी पक्राउ कएलक से प्रहरी नायव उपरीक्षक शर्मा बतौलथि। हात पएर बान्हि बोरा भितर पत्थर राखिक’ सुनसरी खोलामे फेकल अवस्थामे शव फेला पड़ल अछि।