Entertainment

अन्हारोमे ताकी सदा बाट भोरक : डा. धीरेन्द्र

Ad

अन्हारोमे ताकी सदा बाट भोरक…

सपना ओना हम बहुतरास देखल
साकार करबाक चेष्टा कएल हम
मुदा हम अनाड़ी स्वीकार कए ली
फन्ना जगतकेर कनेको नइ बुझल
परिणाम ई अछि जे आइ जिनगी
भण्डार भ’ गेल अगबे की नोरक!
अन्हारोमे ताकी बाट भोरक

बहुतरास परिचित अप्पन बुझेलाह
बीतल कतेको अवधि एहि भ्रममे
अवसर जँ आएल तँ देखल जे खालि
छिटकी भयानक निरन्तर चलै अछि
कएलौँ अपेक्षा सहयोगकेर यदि
भेटबालए भेटल शब्देटा ठोरक
अन्हारोमे ताकी बाट भोरक

लागए ओना जे जिनगी हमर ई
व्यर्थे हेराएल काँटेक वनमे
मुदा साँच कहि दी एखनो बुझाइ अछि
लड़क्का बचल अछि हमर एहि मनमे
तहीसँ कहल जे छोड़ब ने कहियो
जारी कएल जे संघर्ष-होड़क

– डॉ. धीरेन्द्र

■ पूर्ण नाम : धीरेश्वर झा
■ जन्म   :  ईस्वी सन् १९३४, जुलाई १४, लोहना पश्चिम, जिला मधुबनी, बिहार 
■ देहावसान  :  ई. सन् २००४,  जनवरी ९ (पुस २५,  २०६०) नयादिल्ली,  भारत।

विद्यानन्द बेदर्दी

Vidyanand Bedardi (Saptari, Rajbiraj) is Founder member of I Love Mithila Media & Music Maithili App, Secretary of MILAF Nepal. Beside it, He is Lyricist, Poet, Anchor & Cultural Activist & awarded by Bisitha Abhiyanta Samman 2017, Maithili Sewi Samman 2022 & National Inclusive Music Award 2023. Email : [email protected]

Related Articles