कोसी अस्पताल विराटनगरमे थप एकगोटे कोरोना संक्रमितक मृत्यु भेल अछि। बेरसपति दिन सिरहाक विष्णुपुर गाउँपालिका वार्ड नं १ घर भेल ४० वर्षीय एक पुरुषक मृत्यु भेल अछि।

Tilichokart online Shoping in Terai


गम्भिर अवस्थामे कोशीमे भर्ना कएल हुनकामे बेरसपति दिन कोरोना पोजेटिभ देखल गेल छल। बेरसपति दिन राति करिब सवा ८ बजे हुनक मृत्यु भेल अस्पतालक मेडिकल सुपरिटेण्डेन्ट डाक्टर चुमनलाल दास जानकारी देलथि।

बेरसपति दिन कोशी अस्पताल भर्ना कएल हुनकामे श्वासप्रश्वास आ निमोनियाक समस्या छल। हुनकर शरीरमे खूनक कमी सेहो देखल गेल से डाक्टर दास बतौलथि।

हुनकर बेरसपति दिन स्वाब संकलन कएल गेल छल। कोरोना पोजेटिभ देखेलाबाद ओ पुरुषकेँ बीपी कोइराला स्वास्थ्य विज्ञान प्रतिष्ठान धरान पठेबाक लेल प्रयास कएल गेल छल । मुदा धरानमे बेड खाली नइँ अछि से कहलाबाद कोशी अस्पतालक आइसोलेसनमे राखल गेल छल ।


बेरसपति दिन कोशी अस्पतालक आइसोलेसनमे विराटनगर महानगरपालिका– १५ क ३३ वर्षीय युवकक मृत्यु भेल छल। कोरोनाक लक्षण देखल गेल विराटनगरक युवकके रिपोर्ट नेगेटिभ आएल से डाक्टर दास जानकारी देलथि ।

एहि सङ्गे मोरङमे कोरोना संक्रमणक कारण मृत्यु हुअबलाक संख्या ९ पहुँचल अछि । ९ मध्ये ६ गोटेके कोशी अस्पतालमे मृत्यु भेल छल ।

प्रदेश १ सरकारक तथ्यांक अनुसार एहिसँ पहिने विराटनगर– ९ क दू गोट, विराटनगर– ३, ५ आ १० क एक–एक गोटेके मृत्यु भेल छल। रंगेली नगरपालिका–८, सुनबर्सी नगरपालिका–८ आ बुढीगंगा गाउँपालिका– २ क एक–एक पुरुषक सेहॅ कोरोना संक्रमणक कारण मृत्यु भेल छल ।

Leave a Reply