News

रौतहटमे मन्दिरके पूजारीके गोली मारि हत्या

रौतहटमे मन्दिरके पूजारीकेँ गोली मारि हत्या कएल गेल ।

बुध दिन (३ भादओ) रातिके सवा ९ बजे माधवनारायण नगरपालिका वाड नं २ खेसारहिया हनुमान मन्दिरक पूजारी श्रीराम साहकेँ कन्चटमे गोली मारि हत्या कएल गेल अछि।

हतियारसहित आएल अज्ञात व्यक्तिक समूह भोजन करैत काल पूजारी साहकेँ गोली मारि फरार भेल अछि।

अज्ञात समूहके गोलीक प्रहारसँ पूजारी साहके घटनास्थलमे मृत्यु भेल अछि।

घटनस्थलमे इलाका प्रहरी कार्यालय गरुडाके टोली पहुँचक’ अनुसन्धान क’ रहल अछि।

गोली के आ किएक चलेलक से बात अखनधरि नइँ खुलि सकल अछि ।

ई सम्बन्धमे विस्तृत विवरण आब’ लेल बाँकीए अछि।

* श्रोत : आरके श्रीवास्तव, रौतहट

Ad

विद्यानन्द बेदर्दी

Vidyanand Bedardi (Saptari, Rajbiraj) is Founder member of I Love Mithila Media & Music Maithili App, Secretary of MILAF Nepal. Beside it, He is Lyricist, Poet, Anchor & Cultural Activist & awarded by Bisitha Abhiyanta Samman 2017, Maithili Sewi Samman 2022 & National Inclusive Music Award 2023. Email : [email protected]

Related Articles

Leave a Reply