News

फोटो खिचनिहार पत्रकारके परिवार उपर आक्रमण

सप्तरी जिलामे कठिआरीक फोटो खिचनिहार पत्रकारके परिवार उपर आक्रमण :

Ad

राजविराज, सप्तरीमे मृत्यु भेल एक पुरुषक अन्तिम संस्कारमे लागल भीड़भड्काक तस्वीर खिचनिहार पत्रकारके परिवारक सदस्यमसभ उपर आक्रमण भेल अछि ।

राजविराज नगरपालकिा– १ निवासी ४० बर्षीय निजामुद्दिनक अन्तिम संस्कार कर’ लेल लगेके इदगाहा ल’ गेल छल। उहए क्रममे १०० गोटेसँ बेसीके संख्यामे कठिआरी देखलाबाद पत्रकार परिष कर्ण तस्वीर खिचने छलाह।

कोरोना संक्रमणसँ जोग’ लेल जिलामे निषेधाज्ञा लगाओल समयमे एतेक भीड़ देखलाबाद फोटो खिचलाक बात पत्रकार कर्ण जनौलथि। फोटो लक’ ओ घुरलाक बाद तुरन्तहि कठिआरी गेल मध्ये ८-१० गोटेके समुहमे पत्रकार कर्णके घर भितर घुसिक’ माय आ दू भाइके मारिपिट कएलक से कर्ण बतौलथि।

‘’हम फोटो खिचिक’ कार्यालयतर्फ गेलाक कन्हिये देरमे घर भितर घुसिक’ के हमरासभके फोटो खिचलक कहि जथाभावी तरिकासँ परिवार उपर हातपात कएलक”, पत्रकार कर्ण कहलथि । पत्रकार कर्णक भाइ अन्जय हमरासभके किछु बजबाक मौका नइँ दैत हातपात भेल बतेने छथि।

नेपाल पत्रकार महासंघ, सप्तरीक अध्यक्ष चर्चित पत्रकार जितेन्द्र खड्गा ई घट्ना प्रति पत्रकार आ हुनक परिवार असुरक्षित भेल देखल गेल अछि से बतेलथि । ओ घटनामे संलग्न व्यक्तिके पहिचान कक’ कारबाही कर’ लेल माङ्ग कएने छथि।

विद्यानन्द बेदर्दी

Vidyanand Bedardi (Saptari, Rajbiraj) is Founder member of I Love Mithila Media & Music Maithili App, Secretary of MILAF Nepal. Beside it, He is Lyricist, Poet, Anchor & Cultural Activist & awarded by Bisitha Abhiyanta Samman 2017, Maithili Sewi Samman 2022 & National Inclusive Music Award 2023. Email : [email protected]

Related Articles

Leave a Reply