News

मेगा स्टार राजेश पायल राईके पहिल मैथिली गीत ‘ए रानी’ भेल रिलिज

Ad

युवा गीतकार समिर खानक शब्द आ सङ्गीतकार सन्तोष राजक सङ्गीतमे

नेपाली भाषा सङ्गीतक मेगा स्टार राजेश पायल राई आ चर्चित गायिका सेलिना कुँवरक आवाजमे ‘ए रानी’ इहए माघ ०३ गते सार्वजनिक भेल अछि।

उक्त गीतक सङ्गीत कम्पोज एवं एरेन्ज मैथिली सङ्गीतक प्रसिद्ध युवा सङ्गीतज्ञ सन्तोष राज कएने छथि त शब्द युवा गीतकार समिर खान गढ़ने छथि।

उक्त प्रेम-गीतमे प्रकाश श्रेष्ठ आ काजल भुजेलक प्रेमिल अभिनय रहल अछि।

निर्देशक दन बहादुर तामाङ (सागर) क निर्देशन रहल भिडियोमे दृश्य सम्पादन आ रङ्ग संयोजन दिनेश मुसकान, छायांकन देवेन्द्र कार्की कएने छथि।

अडियोक निर्माता समिर खान रहल छथि त A-One Studio मे गीत रेकर्ड भेल अछि।

उक्त म्यूजिक भिडियो ‘ अनिल कटुवाल ऑफिसियल’ Youtube Channel मार्फत सार्वजनिक भेल अछि।

पुरा भिडियो देख’ लेल एत’ क्लिक करी –

न्युज डेस्क

मैथिली समाचार गतिविधि लेल (I Love Mithila न्युज डेक्स ) । I Love Mithila मे न्युज तथा लेख मुलत: प्रेषित करैत अछि। मैथिली भाषाक नेपालीय मिथिलासँ प्रकाशित अनलाइन समाचार बेवसाइट छी। एकर स्थापना सन् २०२० मे भेल छल।

Related Articles