Articles

मैथिली सिनेमे युवा अभिनेता आमिर समरक सकारात्मक उपस्थिति !

पूबरिया मिथिलाक अररिया जिलाक फारबिसगंज शहरक निवासी छथि युवा अभिनेता आमिर समर खान। ओना तँ आमिर नेपाली आ भोजपुरीमे कैकटा प्रोजेक्टकेर अहम हिस्सा रहि चुकल छथि, मुदा मैथिलीमे आब स्थापित हुअय लागल छथि।

Ad

किछु वर्ष पहिने अमर आनन्दद्वारा गाओल ‘गजबके रूप सजेने छी‘ मे माडलिंग करैत मिथिलावासीके दृष्टिपटल धरि उपस्थिति दर्ज करौने रहथि। 

तहिना  एक पैघ अन्तरालक बाद पुन: अभिनेत्री शिवानी आ आन संग कैकटा मैथिली म्यूजिक विडिओमे दमदार अभिनय कयने छथि , जाहिमे प्रिया राज आ अमर आनन्द केर पार्श्वगायिकीमे दिलवर अहाँ दिलदार रिलीज होइते चर्चाक केन्द्रमे अछि। अभिनेता आमिर समर खान मूलतः मैथिली भाषी छथि आ आब मैथिली मनोरंजन उद्योग दिसि आकर्षित भ’ रहल छथि। सुदर्शन व्यक्तित्व आ माजल अभिनेता आमिरक उपयोग मैथिली फिल्ममे बढ़ियाजकाँ कयल जा सकैत अछि। हिनक पिता फारूख खान सेहो नीक अभिनेता रहल छथि। आश अछि जे आबएवला समयमे आमिर मैथिली फिल्म इण्डस्ट्रीमे चमकताह।

आउ देखै छी आमिर समर खानक अभिनित दूटा मैथिली प्रेम गीतक उदाहरण एहि ठाम प्रस्तुत अछि :-

Gajab Ke Roop Sajaune Chhi

स्वर : अमर आनन्द
शब्द : मनोज झा
संगीत : रजनीश मिश्र

दिलदार अहाँ दिलवर

https://youtu.be/DZwK61SCVns

स्वर : अमर आनन्द आ प्रिया राज
शब्द : किसलय कृष्ण
संगीत : अमर आनन्द
अभिनय : आमीर समर आ शिवानी

किसलय कृष्ण

Guest Writer of I Love Mithila. Kislay Krishna is a famous anchor, lyricist & journalist of Maithili Industry

Related Articles

Leave a Reply