
शिक्षा आयोगद्वारा सञ्चालन कएल गेल एमबीबीएस प्रवेश परीक्षामे धनुषाक आशिक झा सर्वोत्कृष्ट भेल छथि।
आयोग शुक्रदिन सार्वजनिक कएल नतिजामे आशिक २ सय पूर्णांकमे १ सय ८६ अंक प्राप्त ककऽ सर्वोत्कृष्ट भेल छथि । उत्कृष्ट भेलापर चिकित्सा शिक्षा अध्ययनक लेल सरकारद्वारा प्रदान कएल जाएवला पूर्ण छात्रवृत्ति प्राप्त कएने छथि । एमबीबीएस प्रवेश परीक्षाक लेल देशभरिसँ ११ हजार सहभागी विद्यार्थीकेँ पाछु करैत आशिक उत्कृष्ट हुअ सफल भेल छथि।
सर्वोत्कृष्ट भेलापर आशिक कहलनि ‘सर्वोत्कृष्ट हुअसँ बेसी नीक बढ़िया अंक लाबिकऽ पास करब सोचिकऽ बेसी मेहनत कएने छलौँ। आब थप मेहनत करऽ कए ऊर्जा भेटल अछि ।’ विज्ञान विषय लकऽ कक्षा ११ आ १२ लकऽ त्रिपुरेश्वरस्थित विश्व निकेतन माध्यमिक विद्यालय पढ़निहार आशिक २०७७ ब्याचके कक्षा १२ मे समेत उत्कृष्ट अंक लाबिकऽ उत्तीर्ण भेल छलनि।
सामान्य परिवारक आशिक जनकपुरक श्री माध्यमिक विद्यालयसँ ३ दशमलव ७ जीपीएसहित एसईई उत्तीर्ण कएने छलनि । विश्व निकेतन माविक प्रधानाध्यापक हेरम्बराज कँडेल आशिकके सफलतासँ सामुदायिक विद्यालयप्रतिके धारणा सकारात्मक परिवर्तन कराबऽ सहयोग पहुँचल बतेलनि ।
ओ कहलनि ‘आशिक अत्यन्त सिर्जनशील आ मेहनती विद्यार्थी छथि । हुनक सफलतासँ सामुदायिक विद्यालयप्रतिके धारणा सकारात्मक परिवर्तन करऽ महत्वपूर्ण भूमिका निर्वाह करत ।’ सर्वोत्कृष्ट भेलाबाद विद्यालय हुनका सम्मान कएने छथि ।
आयोग पहिल बेर एमबीबीएसक लेल एकीकृत परीक्षा लेने छल । अइसँ पहिने विश्वविद्यालय फरक-फरक परीक्षा लैत आएल छल। आयोग साओन ९ सँ १३ गतेधरि उपत्यकामे २८, धरानमे ६, चितवनमे ६, पोखरा आ नेपालगञ्जमे २ स्थानमे परीक्षा केन्द्र राखि परीक्षा सञ्चालन कएने छल।