Articles

iPhone पहिल बेर कोना बनल ? केकर दिमागमे आएल?

१९७६मे स्टीव जॉब्स आ हुनक व्यापारिक सहयोगी स्टीव वोज्नियाक आ रोनाल्ड वेन मिलिके एप्पल कम्पनीक स्थापना कएलक।  एप्पल  सन १९८० मे शेयर बाजारमे १.८ अरब अमेरिकी डॉलर (ओइ समय लगभग १४१४ करोड़ रुपैया) के बाजार मूल्यक संग सुरू कएलक।

Ad

टोनी फेडेल्को, जकरा iPad के ‘गॉडफादर’ कहल जाइत अछि, अइ विचारक बारेमे सोचैत रहए जे iPad केँ नीक कोना बनाओल जा सकैत अछि ?

ओ बीबीसीकेँ कहलनि जे पहिल आईफोनक प्रोटोटाइप हुनका लगसँ गायब भ गेल छलै। ओ हवाइ मार्गसँ यात्रा करबला छलाह, मुदा जखन ओ विमानसँ उतरि अपन जेबमे हाथ रखलनि तखन हुनक होश उड़ि गेल। फोनक प्रोटोटाइप गायब रहए।

टोनी फेडेल सोचि रहल छलाह जे ओ स्टीव जॉब्सकेँ की उत्तर देत, तइयो तखन ई थाह नइँ छल जे आईफोन एतेक सफल बनत।

मुदा, जेबसँ खसल प्रोटोटाइप iPhone विमानक दूटा सीटक बीच भेटल, जत टोनी बैसल छलाह।

ई ओ समय छल जखन माइक्रोसॉफ्ट सन कम्पनी फोनमे पर्सनल कम्प्यूटरकेँ समावेश करबाक प्रयास कऽ रहल छलै। जखन कि एप्पल आइपॉडकेँ सुधारबाक आ एकरा फोनक आकार देबाक प्रयास कऽ रहल छलै।

iphone 12 model image

ओइ समय एप्पल मैकिन्टोश कम्प्यूटर पर काज कऽ रहल छल। तखन ओइ कम्प्यूटरक आकार टेबुल आकार जतेक छल। स्टीव टोनीकेँ कहलनि जे ओ चाहैत छथि जे ई टचस्क्रीन आइपॉडमे आबि जाए।

टोनी कहैत छथि जे एकरा लेल सैकड़ो लोकक आवश्यकता छल, मुदा अन्तमे हम सभ एकरा सफल बनेलाैँ।

 

एप्पलमे महान लोक काम करैत छलाह मुदा ताब धरि हुनका लग फोन बनएबाक शिल्प नइँ छल, तेँ टोनी दुनियाक सर्वश्रेष्ठ विशेषज्ञसँ भेँट करबाक विचार कएलनि।

मुदा जखन ओ स्वीडनक एकटा रेस्तराँसँ दोसर टीम सङ्ग रात्रिभोज कऽ घुरिक आएल, तँ थाह लागल जे हुनक सभटा सामान गायब भऽ गेल।

“हम जनैत छलौं जे ई एकटा प्रतिद्वंद्वी कम्पनीद्वारा कएल गेल छलै,” ओ कहैत छथि।

संगे, फोनमे कीबोर्ड राखल जाए कि नइँ, अइ पर बहस भेल। अइसँ टीमक भीतर भारी तनाव भऽ गेल।

स्टीव चाहैत छलाह जे आईफोनमे टचस्क्रीन रहए, मुदा बाकी टीम एकर विरुद्ध छल। अन्तमे, एक दिन स्टीव जॉब्स स्पष्ट रूपसँ कहलनि –

जे टचस्क्रीनके विरोधी छथि, हुनका टीमसँ बाहर चलि जेबाक चाही।’

बनएके तरिका पर सेहो मतभेद छल, तइयो टीम स्टीवसँ गुप्त रूपसँ अइपर काज करैत रहल।

जखन एप्पलक मालिक स्टीव जॉब्स २००७ मे सैन फ्रांसिस्कोमे वार्षिक मैकवर्ल्ड एक्सपोमे पहिल आईफोन लॉन्च कएलनि तखन हुनका पर लोक हसल । मुदा, वर्तमानमे ई कम्पनी दुनियाक सबसँ धनी कम्पनीमे गिनल जाइत अछि आ आईफोन उपयोगकर्ताक संख्या लगातार बढ़ि रहल अछि।

एप्पलक पहिल आईफोनमे टचस्क्रीन, वाइडस्क्रीन आईपॉड, मोबाइल फोन आ इंटरनेट ब्राउजर सन सुविधा छल। CNN क अनुसार, प्रदर्शनके समय, स्टीव जॉब्स कहलनि, “हम पछिला अढ़ाई सालसँ अइ दिनके प्रतीक्षा कऽ रहल छी।”

पहिल आईफोनक दाम ३९९ अमेरिकी डॉलर (ओइ समयक १६५०० रुपैया) राखल गेल छल।अइ आईफोनमे १६ जीबी मेमोरी, ३.५ इंचक टचस्क्रीन आ २ मेगापिक्सलक कैमरा सन फीचर छल।

स्टीव जॉब्सकेँ आईफोन बनएबाक विचार कत भेटल?

सन २०१० मे D8 सम्मेलनमे कएल गेल एगो भेटघाटके क्रममे स्टीव जॉब्स कहलनि जे ओ एकटा टैबलेट बनएबाक योजनापर काज कऽ रहल छथि। हुनका पता छल जे कीबोर्डसँ कोना छुटकारा पाबि मल्टीटच ग्लास डिस्प्ले पर टाइप कएल जाय।

अइ लेल ओ अपन टीमसँ गप्प कएलनि जे ‘की हम मल्टीटच डिस्प्ले बना सकैत छी? जाहिसँ हम अपन हाथकेँ टाइपिंगसँ मुक्त कऽ सकब? स्टीव जॉब्स साक्षात्कारमे कहलनि, “मल्टीटच डिस्प्लेक लेल लगभग छह महिना बाद, हमर टीम हमरा बजौलक आ ओ हमरा एकटा प्रोटोटाइप डिस्प्ले देखौलक।”

“हम एकरा अपन सबसँ नीक यूआई साथीकेँ  देलाैँ। ओ किछु हप्ता बाद हमरा फोन कएलक। जखन हम हुनका रबरबैंड आ किछु आन चीजमे स्क्रॉल करैत देखलाैँ तखन हम सोचलाैँ जे हम टैबलेटक बदला फोन बना सकैत छी।”

“ओकर बाद, हम टैबलेट प्रोजेक्टकेँ एक दिस कए देलाैँ किए तँ फोन बेसी महत्वपूर्ण छलै। तखन हम अगिला किछु साल आईफोनमे लगेलाैँ।

“हम सोचलौं जे आब हम दोसर योजना पर काज कऽ सकैत छी, तखन टैबलेट परियोजना फेरसँ शुरू कएल गेल।”

एखन धरि कोन आईफोन मॉडल आबि चुकल अछि?

एप्पल अखन धरि कुल २५ प्रकारक आईफोन मॉडल वा श्रृंखला लाँन्च कऽ चुकल अछि।

source: apple.fandom.com

iPhone 1 2007
iPhone 3G in 2008
iPhone 3GS in 2009
iPhone 4 in 2010
iPhone 4S in 2011
iPhone 5 in 2012
iPhone 5s in 2013
iPhone 5C in 2013
iPhone 6 and 6 Plus in 2014
iPhone 6S and 6S Plus in 2015
iPhone SE in 2016
iPhone 7 and 7 Plus in 2016
iPhone 8 and 8 Plus in 2017
iPhone X in 2017
iPhones XS and XS Max in 2018
iPhone XR in 2018
iPhone 11 series in 2019
iPhone SE in 2020
iPhone 12 mini in 2020
iPhone 12 series in 2020
iPhone 13 series in 2021
iPhone SE Third Gen in 2022
iPhone 14 series in 2022
iPhone 15 series in 2023
iPhone 16 series in 2024

आईफोन किए सुरक्षित मानल जाइत अछि?

कम्पनीक आधिकारिक वेबसाइटक अनुसार, आईफोनमे ‘सिक्योरिटी चेक’ सन सुविधा शामिल छै, जे उपयोगकर्ताक व्यक्तिगत जानकारीकेँ साझा करएसँ रोकैत अछि।

मुदा, ई सुविधा मात्र आईओएस १६ या ओकर बाद चलएबला आईफोन पर अछि।

‘सिक्योरिटी चेक’क अन्तर्गत आईफोनमे किछु एहन ऐप अछि जे व्यक्तिगत जानकारीकेँ साझा करबासँ बचाबैत अछि। आईफोन पर ‘सिक्योरिटी चेक’ सुविधाक उपयोग करबाक लेल उपयोगकर्ताक लग एकटा एप्पल आईडी होएबाक चाही जे  2F Authentication  उपयोग करैत हो।

आईफोनक हानि या चोरीक स्थितिमे आईफोनमे एकटा विशेष विशेषता होइत छै, जे उपयोगकर्ताक जानकारीकेँ गुप्त राखैत छै।

BBC सँ सम्पादित अंश

श्रोत
श्रोत: BBC

गजेन्द्र गजुर

Gajendra Gajur [गजेन्द्र गजुर] is News Editor of Ilovemithila.com . Maithili Language Activist. He is Also Known for His Poetry. One of the Founder of Music Maithili App. गजेन्द्र गजुर एहि वेबसाइटक समाचार संयोजक छथि। कवि सेहो छथि। Email- Contact@ilovemithila.com,

Related Articles