Entertainment

रामानन्द सागरक बेटा मनोज मुन्तशिर पर आपति, आदिपुरूष

रामायण बनेनिहार रामानन्द सागरके पुत्र प्रेम सागर फिल्म आदिपुरुष पर अपन असंतोष व्यक्त कएलनि अछि।

Ad

समाचार एजेंसी ANI सँ बात करैत ओ कहला, “हम मनोज जीक यूट्यूब देखलियै। ओत ओ अद्भुत संस्कारी, हिन्दुत्व आ सनातन धर्मक प्रचार कएलक। ओ बहुत ज्ञानी बुझाइ छथि, यद्यपि ओ अखन युवा छथि।”

“हमरा समझमे नइँ आबि रहल छै जे ओ आदिपुरुषमे एहेन संवादक कल्पना सेहो कएने छलाह। निर्णय गलत भेल अथवा ई आजुक पीढ़ीक लेल अछि? जँ ई आजुक पीढीक लेल अछि, तँ अहाँ ओकरा लेल एना बिल्कुल नइँ करि सकै छियै ।”

प्रेम सागर कहलनि, “सनातन धर्मक भूमि, जकरा हम भारत कहैत छी। अहाँ कण-कणमे रहल राम क’रामक प्रति आस्था आ भक्ति संग गड़बड़ नइँ क’ सकै छी न, । हम हर दिन हनुमान जी क जाप करैत छी। हम पूजा करैत छी, हम समर्पण करैत छी। अहाँकेँ ओकरा संग त नैतिकता रखबाक चाही”।

“अहाँ कतेको आधुनिक बनि जाउ, चाहे अहाँ कतेक स्पेशल इफेक्ट बनाउ, लेकिन राम राम छियै। चरित्रके एहन देखाएब ठीक नइँ अछि।

‘आदिपुरुष’ संग्रहमे भारी गिरावट आयल अछि

प्रभास, कृति सेनन आ सैफ अली खान क फिल्म ‘आदिपुरुष’के सोमवार क कलेक्शनमे उल्लेख्य गिरावट देखल गेल। एकर निर्देशक ओम राउत छी।

फिल्म ट्रेड एक्सपर्ट तरण आदर्श एकटा ट्वीटमे कहलनि, “फिल्मक नकारात्मक फीडबैक आखिरकार एकरा पर भारी पड़ल। पहिल तीन दिनमे नीक कमाई करबाक बाद सोमदिनके आदिपुरुष ढहि गेल।”

फिल्म व्यापार विशेषज्ञ गिरीश वानखेड़े बीबीसीक सहयोगी पत्रकार मधु पालके कहला, “आदिपुरुष सोमवार कए 8.5 करोड़क कमाई कएलक, जे रविदिनक कलेक्शन स 75 प्रतिशत कम अछि। फिल्म पहिल तीन दिनमे कुल 113 करोड़ क नेट कलेक्शन केलक, लेकिन आब एहि गिरावटसँ उपर उढब बहुत मुश्किल लगैत अछि।

आदिपुरुषके शुक्रवारके जबरदस्त ओपनिंग छल, लेकिन अधिकांश आलोचक एकरा खराब रेटिंग देलक आ फिल्म देखला क बाद घुमल दर्शक सेहो फिल्म आ एकर संवाद पर निराशा व्यक्त केलक।

तखन फिल्मक डायलॉग राइटर मनोज मुंतशिर शुक्ला घोषणा कएने छलाह जे दर्शकक भावनाके ध्यानमे रखैत फिल्मक किछु संवाद बदलल जाएत।

गजेन्द्र गजुर

Gajendra Gajur [गजेन्द्र गजुर] is News Editor of Ilovemithila.com . Maithili Language Activist. He is Also Known for His Poetry. One of the Founder of Music Maithili App. गजेन्द्र गजुर एहि वेबसाइटक समाचार संयोजक छथि। कवि सेहो छथि। Email- [email protected],

Related Articles