Articles

वायु प्रदुषणके कारण चीनमे आत्महत्या बढ़ि रहल: Case Study

विश्वभरिमे लगभग १६ प्रतिशत आत्महत्या चीनमे होइ छै, तइयो अखन कम होइत देखाइ छै। आम्दनीमे वृद्धिसँ लऽ कऽ सांस्कृतिक बदलाव धरि एकर किछु कारण अछि।

Ad

पूरा चीनमे लगभग १४०० वायु गुणवत्ता निगरानी केन्द्रक डाटा सहित नवका अध्ययनसँ थाह चलल अछि जे हावामे प्रदुषणके कारण आत्महत्याक दर बढ़ैत जा रहल अछि। डाटा ई इहो देखबैत छै जे कोना वायु प्रदूषणकेँ कम करि देशव्यापीरूपमे, सरकारक योजनासँ किछु सालमे  बहुतेक आत्महत्याकेँ रोकएमे सहायता भेटल।

चीनमे दुनियाक सबसँ प्रदूषित सहरसभ अछि, ओकर महानगर घनघोर धुनिसँ भरल छै जे लाखो सहरी निवासीपर भारी पड़ल अछि।

२०१३ मे, चीनकेँ “वायु प्रदूषणकेँ नियंत्रित करबाक कठिन काम” के सामना करए पड़ि रहल छल, तेँ ओ अपन वायु प्रदूषण नियंत्रणके योजना शुरू कएलक, जे प्रदूषणके औद्योगिक स्रोतसभपर रोक लगेलक, गाडीकेँ धुइया कम कएलक, हीटिंगक लेल कोयलासँ प्राकृतिक गैसकेँ बढ़ावा देलक, आ सौर्य आ पवन ऊर्जाकेँ प्रोत्साहित कएलक, जाहिसँ हावामे उल्लेखनीय सुधार भेल।

संगे देश भरिमे आत्महत्याक दरमे तेजीसँ गिरावट आएल। चीनिया सेंटर फॉर डिजीज कंट्रोल एंड प्रिवेंशन (CCDC)के अनुसार, २०१० आ २०२१ क बीच वार्षिक आत्महत्याक दर १०.८८ सँ घटि कऽ प्रति १००,००० लोकमे ५.२५ आत्महत्या दर भऽ गेल।

नीक खबरि ई अछि जे चीनक आत्महत्याक दरमे हालक गिरावटक प्रवृत्तिक लगभग १० प्रतिशत वायु प्रदूषणकेँ कम करबाक कारण छै। शोधकर्तासभक अनुमान अछि

जे चीनक आकाश साफ करबाक प्रयासक कारणेँ २०१३ आ २०१७ क बीच लगभग ४६,००० आत्महत्याके मृत्युकेँ रोकल गेल छल।

टीम लिखैत अछि,

“तइयो हावाके स्वक्षता, मानसिक स्वास्थ्य आ आत्महत्याके बीच सम्बंधपर बहुत रास खुला प्रश्न बनल अछि, मुदा ई विश्लेषण दुनिया भरिमे प्रदूषण नियंत्रण करबाक लेल बहुत नीक जरूरी अनिवार्यता जोड़लक।”

ई अध्ययन चीन धरि सीमित भऽ सकैत अछि आ मात्र वायु प्रदुषण आत्महत्याके दरक बीच सम्बंध देखबैत छै, मुदा हमरासभकेँ एकर निष्कर्ष पर ध्यान देबाक चाही  जे पृथ्वी पर लगभग कतहु वायु प्रदूषणक स्तर आब लगातार घटैत जा रहल अछि।

ई अध्ययन नेचर सस्टेनेबिलिटीमे प्रकाशित भेल अछि। ( Science Alert अनलाइनसँ साभार कएल गेल)

गजेन्द्र गजुर

Gajendra Gajur [गजेन्द्र गजुर] is News Editor of Ilovemithila.com . Maithili Language Activist. He is Also Known for His Poetry. One of the Founder of Music Maithili App. गजेन्द्र गजुर एहि वेबसाइटक समाचार संयोजक छथि। कवि सेहो छथि। Email- [email protected],

Related Articles