News

अलका याग्निक बनलीह यूट्यूबपर सबसँ बेसी सुनल जाएवला कलाकार

बॉलीवुड गायिका अलका याग्निक यूट्यूबपर सबसँ बेसी सुनल जाए वाला कलाकारक रूपमे रहल छथि।

Ad

भारतीय पार्श्व गायिका अलका याग्निक पछिला साल 15.3 बिलियन YouTube स्ट्रीमके एक विशाल रैकिंग कएने छलीह।प्रति दिन औसत 42 मिलियन – जइँसँ ओ YouTube (2022) पर दुनियाक सबसँ स्ट्रीमेड गायिका बनि चुकल छथि। कलकतामे जन्मल याग्निक, 56, पछिला तीन वर्षसँ मंचपर सबसँ लोकप्रिय कलाकारक रूपमे रहल छथि।

याग्निक 2021 मे 17 बिलियन आ 2020 मे 16.6 बिलियन स्ट्रीम प्राप्त कएने छथि। YouTube 2022 क वैश्विक रैंकिंकमे दोसर स्थान पर रहनिहारि बैड बनी (प्यूर्टो रिको) सँ आगू छथि। जे 14.7 बिलियन स्ट्रीम प्राप्त कएने छथि।पुरुष भारतीय गायकसब मध्ये एक नम्बरमे उदित नारायण (10.8 बिलियन), दोसर स्थानमे अरिजीत सिंह (10.7 बिलियन) आ तेसर स्थानमे कुमार शानू (9.09 बिलियन) रहल छथि। दक्षिण कोरियाक सुपरस्टार BTS (7.95 बिलियन) और BLACKPINK (7.03 बिलियन) दुनू शीर्ष दशटामे जगह बनेने छथि।

Melody Queen के रूपमे जानल जाए वाली याग्निक बॉलीवुडक सबसँ प्रतिष्ठित आवाज मध्ये एक अछि। ओ चारि दशक नम्हर करियरमे फिल्म आ एल्बमक लेल 20,000 से अधिक गीत रेकॉर्ड कएने छथि। याग्निक फिल्मफेयर पुरस्कारमे सात बेर सर्वश्रेष्ठ महिला पार्श्व गायिकाक पुरस्कार जीतने छथि। याग्निकके रेकॉर्ड 38 नामांकन मध्ये पहिल नामांकन फिल्म लावारिस (1981) ई गीत “मेरे अंगने में” के देल गेल छल आ हुनक सबसँ हालके नामांकन तमाशा (2015) के “अगर तुम साथ हो” के लेल देल गेल छल।

ओ अक्टूबर 2022 से YouTube के साप्ताहिक संगीत चार्टपर नंबर एक रैंकिंग हासिल कएने छथि आ वर्षक अंतिम सप्ताहक 366 मिलियन स्ट्रीमके सङ्ग मजबूती सङ्ग रेकर्ड कायम कएने छथि। जो बैड बनी (258 मिलियन) आ नारायण (249 मिलियन) सँ बहुत आगू रहल छथि। YouTube के 2022 के स्ट्रीमिंग आंकड़ामे भारतीय कलाकारोक दबदबा रहल अछि, जेँ संगीत-उद्योगक विश्लेषक चार्टमास्टर्स द्वारा ट्रैक कएल गेल छल।

याग्निकके 2022 धारामध्ये 12.3 बिलियन (80%) भारतमे पंजीकृत रहल छल, आ पाकिस्तानमे सबसे अधिक सुनल जाएवाला कलाकार (683 मिलियन) सेहो रहल छलीह। चार्टमास्टर्स के अनुसार, YouTube के लगभग 25% उपयोगकर्ता भारतसँ रहल अछि। महाद्वीपके अनुसार, युट्युबक दुनियामे 45% एशियाक प्रभुत्व रहल अछि, एकर बाद लैटिन अमेरिका 28% रहल अछि।

अलका याग्निक दूटा मैथिली गीत सेहो गेने छथि। जइँमे ‘सुतू सुतू बौआ राति बड्ड भेल’ (मैथिली लोरी) बेस्स प्रसिद्ध रहल अछि।

विद्यानन्द बेदर्दी

Vidyanand Bedardi (Saptari, Rajbiraj) is Founder member of I Love Mithila Media & Music Maithili App, Secretary of MILAF Nepal. Beside it, He is Lyricist, Poet, Anchor & Cultural Activist & awarded by Bisitha Abhiyanta Samman 2017, Maithili Sewi Samman 2022 & National Inclusive Music Award 2023. Email : Vidyanand.bedardi96@gmail.com

Related Articles