News

बिहारक अमरजीत जयकरके फैंन भेलाह सोनू सूद, मुंबईमे कएलनि स्वागत


सोशल मीडिया एकटा एहन जगह अछि जे ककरो राता राति स्टार बना दैत अछि आ एहिसँ कोनो मतलब नइ अछि जे अहाँ कोन शहरसँ छी आ कतयसँ आबैत छी। अहाँ अमीर छी या गरीब बस अहाँक हुनरकेर पहिचाने अहाँकेँ मशहूर बना दैत अछि। एहिलिस्टमे एकटा आओर नाम शामिल भ’ गेल अछि जे अछि बिहारक अमरजीत जयकरके, जे अपन गीतसँ बॉलीवूडके एक्टर सोनू सूदके अपन मुरीद बना लेलक अछि। हालहिमे अमरजीत जयकरके आवाजणे एक वीडियो सोशल मीडियापर तेजीसँ वायरल भेल छल। जकर बाद सोनू सूद ओकरा फिल्ममे गाबैके ऑफर देलनि। वायरल बॉय अमरजीत जयकर सोनू सूदक संग भेल भेंटके एक तस्वीर शेयर कएलक। तस्वीर शेयर करैत ओ लिखलक- ‘पूरा भारत मे जिनका वजह सँ हमर थोड़ सन पहचान बनल अछि वो वजह अहां त छी सोनू सूद सर’।

Ad

अमरजीतके एहिपोस्टपर सोनू सेहो बिना देरी केने जवाब में लिखला- ‘बिहारक नाम ऊंच करत भाई’। गौर तलब अछि जे एक्टर ओकरा अपन फिल्ममे गाबैके मौका देलनि अछि। एनामे इ पैघ अवसर पाबि कय अमरजीत बहुत खुश अछि। एहिसँ पहिने अमरजीत जयकर केर एकटा वीडियो वायरल भेल छल जाहिमे ओ ‘रुख जिंदगी ने मोड़लिया कैसा’ गीत गाबि लोकके बीच अपन आवाजकेर जादू बिखेरलनि। दैखैत देखैत वीडियो जमिकय वायरल भ गेल। जे खूब पसंद कयल गेल। एना मे तमाम कलाकार वायरल बॉय अमरजीतक सुरीला आवाजकेर तारीफ कय रहल छथि। बता दी जे अमरजीत जयकर बिहारक समस्तीपुर जिलाक भहुआके रहय वला छथि। ओ फेमस भेलाक बाद सोशल मीडियापर अकाउंट बनेलक, फेर ओ अपन आवाज मे गाओल गीत के सोशल मीडियापर पोस्ट करय लागल। जकरा बाद धीरे-धीरे ओकर गीत सोशल मीडियापर पसंद कयल जाय लागल।

न्युज डेस्क

मैथिली समाचार गतिविधि लेल (I Love Mithila न्युज डेक्स ) । I Love Mithila मे न्युज तथा लेख मुलत: प्रेषित करैत अछि। मैथिली भाषाक नेपालीय मिथिलासँ प्रकाशित अनलाइन समाचार बेवसाइट छी। एकर स्थापना सन् २०२० मे भेल छल।

Related Articles