News

जिन्दगीक यथार्थसँ सफलतापूर्वक लड़ैत सुप्रतिष्ठित रङ्गकर्मी अनिता रानी : परमेश्वर कापड़ि

ई स्वनामधन्य सुहवे, अपन दोकानपर कोनो गंहिकीके अहेर बटजोहिमे थभकल,  वा ई कोनो मैथिली रंगमंचक दृश्य नै भ’क’, जिन्दगीक यथार्थस’ सफलतापूर्वक लडैत, फुरबैत, अपने आय रोजगार मात्रे नइ 10/15 गोटे ‘मन्थली’ पचीस हजारस’ ल’क’ सतरि हजार धरि ‘पेमेन्ट’ कएनिहारि मिथिला नाट्य परिषद जनकपुरक सफल सुप्रतिष्ठित आ विशिष्ट रंगकर्मी अनिता रानी मण्डलजी छथि।

    नेमुआटोल धबौलीक किरानी माट्साब रामकुमार मण्डलक जेठकी पुतौह,राजेश कु मण्डलक सुपुत्री आ सतीश कु मण्डलक कनिञा अपन घर- परिवार समहारैत, दोकान आ गार्मेटके सफलतापूर्वक संचालन करैत, अभिनय क्षेत्रमे प्रतिबद्धताक न्यायसंगत समय दैत, अन्तराष्ट्रिय स्तरपर ख्यातिप्राप्त मैथिली अभिनेत्री, आ  द-ूसन्तानक कनिञा अनिता  रानी मण्डलजी अपन घर-परिवार, रंगकर्म आ आय-रोजगारमूलक व्यवसायस’ सेहो सन्तुष्ट, उत्साहीत आ सुखीत छथि ।

   साहित्य-कला ओ रंगमंचस’ जुटितेमे टौआइत-बौआइत, अर्थ- रोजगार अभावे लल-खङटल, केकरो मुहतक्की गोरधरियामे किए रहब ? हम कलाकार छी, माने विद्या कला हमरा हाथमे सङ लागल अछि, ऐ भाव विश्वासस’ उद्ववेगीत भ’, हम अपन सब क्षेत्रमे सफल आ सबल छी । हम एकदिस नाट्यकला विद्यास’ एकदिस लोके आनन्द मनोरन्जन परसैत, सकारात्मक रचनात्मक विषय आ समसामयिक मुद्दासबके संवेगीत रुपमे सम्प्रेसित करैत, अपनेटा नै नेपाल भारतक बहुते लोके आय-रोजगार दैत, पेट पाल’मे अपनके सम्मानित आ सार्थक जीवनके रुपमे मूल्यांकन करैत आएल छथि।


मैथिली नाट्यकर्मीक ई रंगमंचक एकटा उल्लेख्य उत्कृष्ट रंग-हस्तीए नहि, एगो आदर्श पहुँच, सम्मानीत पहचान आ  विश्वस्त प्रतिमान रहल ऐ ‘मैथिली’ दाइक सम्पूर्ण सृजनशील कृतित्व आ महनीय व्यक्तित्व प्रति ऐ लोके निष्ठा, आशा-विश्वास आ आह्लाद छन्हि।

■ साभार : प्रसिद्ध साहित्यकार परमेश्वर कापड़ि जीक फेसबुक वालसँ।

विद्यानन्द बेदर्दी

Vidyanand Bedardi (Saptari, Rajbiraj) is Founder member of I Love Mithila Media & Music Maithili App, Secretary of MILAF Nepal. Beside it, He is Lyricist, Poet, Anchor & Cultural Activist & awarded by Bisitha Abhiyanta Samman 2017, Maithili Sewi Samman 2022 & National Inclusive Music Award 2023. Email : [email protected]

Related Articles