FeaturedinterviewOpinion

“रैप करबाक छौ तँ, अपूर्व जकाँ रैप कर, नइँ त नइँ : Apurv Interview

एकटा एहन दुनियाँ, जतए सांस्कृतिक पहिचान निरन्तर विकसित भऽ रहल अछि। ओ दुनियाँ ओ भुगोल छै – मिथिला। ओइ मिथिलाक लेल रैपर ओ म्यूजिसियन अपूर्व अपन मैथिली रैप (R.A.P. — Revival Action Plan) क माध्यमसँ मैथिली संस्कृतिकेँ संरक्षण आ एकरा नीक बनएबाक लेल एकटा अलग पहल कऽ रहल छथि।

आइ लभ मिथिलाक सम्पादक, कैलाश कुमार ठाकुरद्वारा अपूर्व चाैधरीसँ कएल गेल अन्तर्वाता अइ ठाम प्रस्तुत अछि, ओइ साक्षात्कारक किछु प्रमुख बातचीतसब –

प्रश्न — अपनेके अनुसार मैथिली रैप (RAP) की छै ?

मैथिली गीत-संगीतक उद्योगमे बढ़ैत अश्लीलता आओर निम्नस्तरिय संगीत एकटा नमहर समस्या भेल जा रहल छै। मैथिली भाषा आओर संस्कृतिके दिनो-दिन भ्रमित कएल जा रहल छै। किछु लोकसब जानिबुझि कऽ अपन मातृभाषा बाजै सँ सेहो संकुचित भऽ रहल छथि आ अपन भाषा बाजय सँ शर्म महसूस करै छथि, अइ लेल हम अइ पर रोक लगैबाक लेल आ संस्कृतिमे ग्लैमर, गर्व आओर ताजगी जोड़वाक प्रयास कऽ रहल छी। चूंकि हम पहिले सँ रैप संगीतमे छलाैँ आ रैप युवा-युवतीसभक बिच बहुत लोकप्रिय छै, तेँ हम सोचलाैँ जे किएक नें अपनो लोकसभक समक्ष रैप अर्थात Revival Action Plan लाओल जाए, अइकेँ हम छोटमे RAP कहै छी।

लोकसभ रैपके उपयोग एक – दोसराकेँ प्रभावित करबा लेल आ अपनाकेँ स्मार्ट देखएबाक लेल करैत अछि, मुदा हम मैथिली रैपकेँ उपयोग अपन लोक आ संस्कृतिक लेल अपन राय – विचार व्यक्त करबाक लेल करै छलाैँ। 

(अपूर्व )

प्रश्न – मैथिल समाजमे सामाजिक मुद्दाके सम्बोधित करबाक लेल RAP के उपयोग कएल जाए, ई विचार केना आएल ?

जखन हम बच्चा छलाैँ, तखन रैप गीत – गायन अनुसरण करैत छलाैँ, आ देखलाैँ जे लोक सभ रैप‌ के उपयोग अपन विचार व्यक्त करबाक लेल‌ सेहो करै छथि। जखन कि हमर आस – पासक लोकसभ रैपके उपयोग एक – दोसराकेँ प्रभावित करबा लेल आ अपनाकेँ स्मार्ट देखएबाक लेल करैत अछि, मुदा हम मैथिली रैपकेँ उपयोग अपन लोक आ संस्कृतिक लेल अपन राय – विचार व्यक्त करबाक लेल करै छलाैँ। अइ तरहेँ हम RAP केँ एकटा संक्षिप्त नाम देलाैँ – Revival Action Plan, जे भाषा, शिक्षा, स्वास्थ्य आओर अन्य मुद्दासभसँ सम्बन्धित सामाजिक मुद्दासभकेँ सम्बोधित करैत अछि।

प्रश्न – मैथिली RAP क माध्यमसँ कोन प्रकारक सामाजिक मुद्दासभकेँ सम्बोधित करबाक नियार कएने छी ?

हम देखलाैँ की, विशेष कऽ १८ सालसँ कम उमेरक अधिकांश युवा – युवतीसब अपन भाषा – संस्कृतिक संग सहज नइँ छथि। हुनकासभकेँ हम गर्व महसूस कराबए चाहए छलाैँ आ संगे देखाबए चाहै छलाैँ जे अपन भाषा ओ संस्कृतिकेँ बढाबा देनाए आ उपयोग कएनाइ बहुत आवश्यक गप्प छै। 

हमर पहिल गीत – ‘दु दुनी चारि’ हिंदी आ मैथिलीक सन्तुलित प्रयोगक बारेमे छल, जे बहुभाषावादकेँ समर्थन करै छै। एकटा आओर गीत – ‘बुझलियै’ छै, जइमे मैथिलीमे शिक्षाक आवश्यकता पर जोड़ गेल छै।‌ हम आर्थिक मुद्दा, जेना की कारखाना आ मिलसभ बन्द होएबाक कारणसभ सम्बोधित कएलाैँ । अइ तरहेँ मिथिलाक संस्कृति ओ भाषाकेँ पुनर्जीवित करबाक लक्ष्य रखलाैँ।

प्रश्न – मैथिली RAP समाजक युवा – युवतीसभक आत्मविश्वासकेँ कोना बढ़ा सकत ?

मिथिलाक भौगोलिक, भाषीक एवं सांस्कृतिक पहिचान हमरा लेल एकटा मौलिक आवश्यकता अछि। जे लोक एवं युवा – युवतीसभ अपन भाषा – संस्कृतिक पहिचानमे अपन आत्मविश्वास रखैत छथि, ओ स्वयंमे बेसी सहज होइत छथि आ देखब आवश्यक छै जे मैथिलीमे सेहो सब किछु कएल जा सकैत छै, ओइ आत्मविश्वासकेँ हम बढ़ावा देबए चाहै छी। हमर मातृभाषा – संस्कृतिक ककरोसँ कम नइँ, ई बात युवा – युवतीसभकेँ बुझही पड़तनि। कारण, कोनो जगहके आगाक विकास अइसँ अगाड़ी बढ़ै छै।

प्रश्न – युवा-युवतीसब एवं समाजसँ कोन‌ तरहक सहयोग आ प्रतिक्रिया भेट रहल अछि ?

प्रतिक्रिया अधिकांशत: सकारात्मक भेट रहल अछि, ९०-९५% लोक हमर कार्यके सराहना करै छथि। जखन कि किछु लोकसँ आलोचना सेहो भेट रहल अछि। किछु लोक, रैप-गायन एकटा विदेशी संस्कृति छै, जे की ग्रामीण लोक सभक लेल उपयुक्त नइँ अछि, कहै छथि। मुदा, हम तऽ रैपक उपयोग अपन भाषा – संस्कृतिकेँ बढ़ावा एवं विकसित करबाक उपकरणक रुपमे प्रयोग कऽ रहल छी, समाजमे एकरा लागू करबाक लेल‌ नइँ। ई सोशल मीडियाके उपयोगमे अपन‌ राय – विचार करब जेना छै।

प्रश्न – अपन सांगीतिक यात्राक क्रममे भेल कोनो स्मरणीय कथा छै की ? छै तऽ साझा करऽ चाहब अपने ?

हँ, किछु कथासब एहन अवश्य भेल अछि जे हमरा आओर मेहनति करबाक लेल प्रेरित करैत अछि। ओइमे सँ एकटा कथा ई जे – एकटा १४ वर्षक बच्चा अपन बाबूजी सऽ कहलनि जे ओ रैप करए चाहै छथि। ई बात सुनि बौवाक पिताजी प्रोत्साहित करैत कहलथि जे, “रैप-गायन करबाक छौ तऽ, अपूर्व जकाँ मैथिली रैप करऽ। नइँ तऽ नइँ।”

हमर एकटा साथीद्वारा सुनाओल गेल अइ कथामे कतेक सत्यता छै हमरा नइँ बुझल, मुदा एहन कथासब हमरा अपन सांगीतिक यात्राकेँ निरन्तर आगा बढ़बैत युवा-युवतीसभकेँ सेहो अपन भाषा एवं संगीतसँ जोड़बाक लेल प्रोत्साहित करैत अछि। 

प्रश्न – सांगीतिक यात्राक क्रममे अनपेक्षित समस्या एवं चुनौतीसब अवश्य अएबे करै छै। ओइसब बारेमे किछु कहबै की ?

सबसँ नम्हर चुनौती हमरासभ लग सदैव रहैछ – ओ अछि, कम बजेट वा सिमीत बजेट। जइसँ हमरा सभक काज ओ प्रगति शिथिल भऽ जाइ छै। एकर अलावा, जखन फंडके बात अबै छै तऽ, किछु लोक अइ विषयमे शंका एवं अविश्वास व्यक्त करैत छथि जे फंडके उपयोग कहल गेल काज ओ विषयमे समुचित रूपेँ होएत की नइँ ? जे शंका स्वाभाविको छै। मुदा, हम सभ गोटेकेँ आश्वस्त रहबाक लेल सादर आग्रह करैत कहबै जे मैथिली रैपके लेल प्राप्त फंड, समाजकेँ समृद्ध बनाबएमे आ अपन सांस्कृतिक विकासक काजकेँ आगू बढएबाक लेल मात्र उपयोग कएल जाएत। अइमेसँ एक टका एमहर – ओमहर वा व्यक्तिगत काजमे प्रयोग नइँ कएल जाएत। अपने विश्वास राखल जाऊ।

प्रश्न – मैथिली रैप (R.A.P.) के लेल अपनइँ लग भविष्यक योजना सब की अछि ?

हम देख रहल छी जे बेसी सऽ बेसी प्रतिभाशाली युवासब अइमे आबि रहल छथि। नीक गीत-संगीत निमार्ण कऽ रहल छथि। अइ सभ‌मे सऽ भऽ सकैए जे कोनो युवा – युवती अपना भितर विराट सम्भावना रखने हो। तेँ, ओइ नव प्रतिभावान युवा – युवतीसब संग काज करबाक योजना मनमे रखने छी। देखल जाए कतेक धरि सफल भऽ सकै छी।

प्रश्न –  मैथिली RAP संगीतमे  नवयुवकसभ अपन कैरियर बनाबऽ चाहै छथि, मुदा अइमे भविष्य सुरक्षित नइँ देखिक दोसर काज दिस चलि जाइ छथि। एना किए होइ छै ?

हम RAP के अपन भाषा ओ संस्कृतिक विकासक लेल एकटा उपकरणक रुपमे प्रयोग कऽ रहल छी। मुदा पूर्ण रूपेँ अइ पर निर्भर रहब तेहन अवस्था नइँ देख रहल छी। तेँ हम संगीतक अलावा दोसरो काज करै छी, जइसँ जीवनक आवश्यकता पूरा हो। तहिना, हम नव प्रतिभावान युवा – युवतीसबके इयह कहऽ चाहबै जे पहिने अपन आर्थिक रूपेँ कोनो काजमे सफल होऊ, तखन अपन रैप ओ सांगीतिक प्रतिभा आ क्षमताके आगा बढ़ाएल जाऊ।

प्रश्न – अपनेक नव गीत श्रोता ओ दर्शकसभक लेल तयार भऽ रहल छै, आ की प्रतीक्षा करऽ पड़तनि ?

सम्भवतः नव गीतमे बेसी समय आब नइँ लगबाक चाही। जनकपुरे केऽ रैपर सन्तोष झा उर्फ ODmusic संग एकटा गीत पर काज भऽ रहल छै। अधिकांश काजसब पुरा भऽ गेल छै। देखल जाए हमसब कहिया धरि अपन बाँकी काज पुरा कऽ अपन प्रिय श्रोता-दर्शकसभक लेल रिलीज कऽ सकै छी। 

यदि हमरा केओ फोलो करऽ चाहै छथि, तऽ इन्स्टाग्राम, फेसबुक आ युट्यव, तीनो अछि, आ तीनो एक्के नाम सऽ अछि। @apurvrapper पर हमरा तीनो जगह फोलो कऽ सकै छथि, हमरा सबटा गीत आ अपडेटस ओतहि भेट जाएत।

___________________

अपूर्व चौधरी जी, वाणिज्य (Commerce) विषयमे स्नातक संगे, VFX आ 3D एनिमेशनमे प्रमाणपत्र (Diploma) तह धरि अध्ययन पुरा कऽ लेने छथि। मुदा, रैप-गीत-संगीत विषय हिनकर मन-मस्तिष्कक बहुत नजदीक अछि। आ तेँ, रैप-गीत-संगीत सम्बन्धमे बहुत रास बात-विषयसभ अनौपचारिके रूपेँ स्वयंसँ सिखैत आबि रहल छथि, तथा अपन गीत-संगीतमे प्रयोग सेहो। आधुनिक संगीत एवं रैप गीत-गायन सम्बन्धमे हिनक समझ-बूझ, स्व-अध्ययन एवं प्रयोग गहिंराइत जा रहल अछि।

संगीतक ओ स्व-अध्ययन आ प्रयोग दुई-तीन सालक भितरमे आएल हिनक सात टा मैथिली एवं हिन्दी गीतसभमे देखल जा सकैछ। ओना, आरम्भ तऽ हिन्दी रैप-गीत-संगीत सऽ प्रवृत्त भेलाह। युवा-युवतीसभक मध्य हिनकर हिन्दी रैप-गीत-संगीत सेहो लोकप्रिय होइते रहल अछि। मुदा, कोनो कारणवश मातृभूमि मिथिला ओ मातृभाषा मैथिली हिनका अपना दिसि खिचलकनि। आ तेँ मैथिली रैप-गीत-संगीत दिसि कनि बेसी समर्पित छथि।

 एकटा विशेष साक्षात्कारमे, अपूर्व अपन सांगीतिक दृष्टिकोण, भविष्यक यात्रा एवं योजनाक बारेमे बहुत नीक जकाँ किछु बातचीतसब कएलथि।

अपूर्वक मैथिली RAP मात्र संगीत सुनबाक लेल एवं मनोरञ्जन लेल नइँ छनि, ई एकटा आन्दोलन अछि। ओ आन्दोलन, जइसँ मैथिली भाषा ओ संस्कृति पूर्नजीवित एवं विकसित हो। २०२१ साल सऽ “#दू दूनी चारि” मैथिली रैप-गीत-संगीत सऽ अपन मैथिली गीत-संगीतक यात्रा आरम्भ कएने अपूर्व रैप-संगीतक प्रयोग आधुनिक उपकरणक रूपमे कऽ रहल छथि, तथा अइ आंदोलनमे युवा – युवती एवं सबलोककेँ शामिल होएबाक लेल आग्रह सेहो कऽ रहल छथि। (Kailash Kumar Thakur) interviewer of Maithili Rapper Apurv Chaudhary. 

कैलाश कुमार ठाकुर

कैलाश कुमार ठाकुर [Kailash Kumar Thakur] जी आइ लभ मिथिला डट कमके प्रधान सम्पादक छथि। म्यूजिक मैथिली एपके संस्थापक सदस्य सेहो छथि। Kailash Kumar Thakur is Chef Editor of ilovemithila.com email - [email protected], [email protected] +9779827625706

I Love Mithila

मैथिली समाचार गतिविधि लेल (I Love Mithila न्युज डेक्स ) । I Love Mithila मे न्युज तथा लेख मुलत: प्रेषित करैत अछि। मैथिली भाषाक नेपालीय मिथिलासँ प्रकाशित अनलाइन समाचार बेवसाइट छी। एकर स्थापना सन् २०२० मे भेल छल।

Related Articles