सीता प्राकट्य दिवस समारोहमे लेखिका एवं पत्रकार झा सम्मानित

आइ लभ मिथिला
ललितपुर, जेठ ३ गते
सीता जयन्तीक अवसरमे मिथिला संस्कृति समाजद्वारा राष्ट्रिय नाचघर जमलस्थित आयोजना कएल “सीता प्राकट्य दिवस समारोह” मे आइ देशक विभिन्न क्षेत्रमे सक्रिय व्यक्तित्त्वसभकेँ सम्मान कएल गेल अछि।
अइ वर्ष राष्ट्रिय जनस्वास्थ प्रयोगशालाक निर्देशक डा. रुना झा, मैथिली “अर्चनाकृत रामायण” क लेखिका एवं पत्रकार अर्चना झा, मिथिला नृत्य कला परिषदक रिना रिमाल, कलाकार महेश कुमार, समाजसेवी कृष्णकुमारी शाह लगायतकेँ सम्मान कएल बात मिथिला सांस्कृतिक समाजक अध्यक्ष वीरेन्द्र ठाकुर जानकारी देलनि।
कार्यक्रममे सीतारामक गुणगान, देशमे महिलाक अवस्था, नित्य, भजन कीर्तन, मिथिला क्षेत्र आ जनकपुरक सांस्कृतिक पक्षसम्बन्धमे चर्चा कएल गेल से बात ओ जनेलनि।
कार्यक्रमक प्रमुख अतिथि माइती नेपालक संस्थापक अनुरोधा कोइराला, विशिष्ट अतिथि राष्ट्रिय महिला आयोगक सदस्य विद्याकुमारी सिन्हा, मधेसी आयोगक सदस्य रेणुदेवी शाह आ सभा अध्यक्ष वीरेन्द्र ठाकुर सम्मानपत्र हस्तान्तरण कएलनि।
मन्तव्य राखैत कोइराला कहलनि, ‘नेपालमे खास क’ रात्रिकालिन मनोरञ्जन क्षेत्र, स्पाम, होटल आदिमे १२ सँ २० वर्षधरिक बालिकासभ शारीरिक एवं मानसिक बेचबिखन भ’ रहल अछि । विदेशमे बेचबिखन तँ भए रहल अछि, देशभितर बढ़ि रहल बेटीसभ बेचल जाइत अछि आ देशमे न्याय तकबाक लेल टर्च बारैत चल’ पड़बाक स्थिति बनि चुकल अछि।”