दरद – अर्जुन प्रसाद गुप्ताके गीत संग्रह सार्वजनिक
उत्कृष्ट्र पाण्डुलिपी लेल पुरस्कृत दरद गीत संग्रह लोकार्पण भेल अछि।

विश्व पुस्तक दिवसके अवसरमे लहानमे ‘दरद’ नामक मैथिली गीत संग्रह लोकार्पण कएल गेल अछि। दरद, कृतिकेँ उत्कृष्ट्र पाण्डुलिपी लेल विद्यापति पुरस्कार काेषद्वारा २०७८ मे पाण्डुलिपि पुरस्कारसँ पुरस्कृत सेहो कएल गेल रहए। साहित्यकार अर्जुन प्रसाद गुप्ता ‘दर्दिला’ के दोसर कृति छनि। पहिल कृति ‘अखनो अन्हार लगैय‘ कविता संग्रह लोक प्रिय भेलाक बाद ई दोसर गीति संग्रह प्रकाशित भेल अछि।

कार्यक्रमक प्रमुख अतिथी मधेश प्रज्ञा प्रतिष्ठानक अध्यक्ष राम भराेस कापड़ि “भ्रमर” रहथि। मातृभाषा साहित्य कला संरक्षण केन्द्र ,नेपालक समन्वयमे लहान नगरपालिकाद्वारा आयोजित उक्त कार्यक्रमके अध्यक्षता नगर प्रमुख महेश प्रसाद चौधरी कएने छल ।

साहित्यकार अर्जुन प्रसाद गुप्ता दर्दिला ४ दर्जनसँ बेसी मैथिली तथा नेपाली गीत विभिन्न गायक जाहिमे गुरूदेव कामति, रश्मी रानी, सावन कुमार, सुभाष बिरपुरिया, तेजु मैथिली लगायत गीत गाबि चुकल छथि।
कार्यक्रममे साहित्यकार देवेन्द्र मिश्र, मैथिली साहित्य परिषद्क अध्यक्ष सतीश दत्त, मिथिला साहित्य कला प्रतिष्ठान नेपालक अध्यक्ष रमिला साह, साहित्यकार एस. पी. सिन्गल, कवियत्री पूनम झा ‘मैथिली, पत्रकार रोयन्टर मण्डल लगायत मैथिली तथा नेपाली भाषाके साहित्यकार, पत्रकार तथा युवासभक उपस्थितिमे कार्यक्रम सम्पन्न भेल अछि। २०३२ सालमे स्थापना भेल लहान नगरपालिका पहिल बेर वि.सं. २०८० सालमे पहिलबेर साहित्य गाेष्ठीक नगरपालिका आयाेजना कएलक । कार्यक्रमक उद्घोषण राजु गुप्ता कएने छलथि।