News

भाषा-साहित्य दिस विद्यापति पुरस्कारद्वारा अयोध्यानाथ चौधरी पुरस्कृत

 

Ad

विद्यापति पुरस्कार कोष मैथिली भाषाक चारिटा विधामे २०७९ साल लेल घोषणा कएल पुरस्कार दिनांक २०८० अषाढ़ २६ के वितरण कएल गेल अछि।

 

मधेश प्रदेशक राजधानी जनकपुरधाममे मंगलदिन एक कार्यक्रमक आयोजना क’ संस्कृति पर्यटन तथा नागरिक उडड्यन मन्त्री सुदन किराँतीक हाथसँ उक्त पुरस्कारसब हस्तान्तरण कएल गेल अछि।

 

नेपाल विद्यापति मैथिली भाषा साहित्य पुरस्कार २०७९ सँ धनुषाक बिदेह नगरपालिका वाड नं. २ क बरिष्ठ साहित्यकार अयोध्यानाथ चौधरीकेँ पुरस्कृत कएल गेल अछि ।

 

उक्त पुरस्कारक राशी दु लाख टक्का रहल अछि। तहिना नेपाल विद्यापति मैथिली कला-संस्कृति पुरस्कार २०७९ सँ मैथिली सङ्गीतक प्रसिद्ध गायक आभाष लाभ आ मैथिली रंगकर्मी बैद्यनाथ पटेल (बि. एन. पटेल) ५०/५० हजार नगद सहित पुरस्कृत भेल छथि।

 

तहिना नेपाल विद्यापति पाण्डुलिपी पुरस्कार २०७९ सँ साहित्यकार महेन्द्र कुमार मिश्र आ नेपाल विद्यापति मैथिली अनुवाद पुरस्कार २०७९ सँ रमेशकुमार यादवकेँ पुरस्कृत भेल छथि । उक्त दुनू पुरस्कारक राशी एक/एक लाख टक्का रहल अछि।

 

अइ कार्यक्रम बीच मन्तब्य रखैत उक्त पुरस्कार कोषक नव नियुक्त सचिव सदस्य ध्रुब मण्डल अपन सम्पूर्ण सेवा सुविधा नइ लेब से उदाहरणीय घोषणा समेत कएलनि।

 

पुरस्कृत पाँचु श्रष्टालोकनि जनकपुर क्षेत्र निवासी रहलाक कारण सामाजिक संजालमे पुरस्कार छनोट समिति प्रति संयोजक सेहो जनकपुरके, पुरस्कार सेहो जनकपुरेक श्रष्टालोकनिकेँ आ कार्यक्रम आयोजना सेहो जनकपुरेमे कहैत मात्र एकटा जिला-ठामक श्रष्टाकेँ छनोट क’  जनकपुरमे केन्द्रित क’ आन जिलाक श्रष्टासबपर विभेद कएल सन अवस्थामे अभियानी आ चिन्तकलोकनि उपराग आ विरोध सेहो व्यक्त कएने छथि। अइ पुरस्कारमे बेर-बेर अनियमितता होइत आएल अछि आ एकर सुधार लेल मैथिली अभियानी आ श्रष्टालोकनिद्वारा सेहो विरोध होइत आएल अछि। अइसँ पछिला बेर अनियमितता विरुद्ध  छानबिन लेल मैथिली साहित्यकार सभा, जनकपुरधामद्वारा विज्ञप्ति निकालल आ बुझाएल गेल छल।

न्युज डेस्क

मैथिली समाचार गतिविधि लेल (I Love Mithila न्युज डेक्स ) । I Love Mithila मे न्युज तथा लेख मुलत: प्रेषित करैत अछि। मैथिली भाषाक नेपालीय मिथिलासँ प्रकाशित अनलाइन समाचार बेवसाइट छी। एकर स्थापना सन् २०२० मे भेल छल।

Related Articles