डा.लव कुमार साह :
वरिष्ठ नव जात शिशु तथा बाल-रोग विशेषज्ञ
_________________________________
जाढ़ आ ठण्डी समयमे सबसँ बेसी जोखिमयुक्त उमेर समूह नवजात शिशुसभक होइछ। ओना तऽ जाढ़मे सबकेँ समस्या भऽ सकैछ आ होएबो करै छै, मुदा नवजात शिशुसबमे रोगसँ लड़वला प्रतिरोधात्मक क्षमता बहुत कमजोर भेलाक कारण ई उमेर समूहके लेल बेसी जोखिम होइत छै।
एखन जाढ़क समय चलि रहल छै आ अचानकसँ सितलहरी शुरू भेलाक कारण बहुत बेसी जाढ़ बढ़ि गेल हइ। तेँ एहि समयमे नवजात शिशुसभक कनि विशेष ख्याल राखब दायित्व मात्रे बाबू-मायके नइँ भऽकऽ घरमे रहल आन सदस्यसभक सेहो बहुत महत्वपूर्ण दायित्व भऽ जाइ छै। बच्चा सभक जन्मेसँ एकरसभक स्वास्थ्यकेँ संवेदनशिल बुझि रेखदेख करबाक आवश्यकता होइत छै।
नवजात शिशु तथा बालरोग विशेषज्ञ डा.लव कुमार साहक जाढ़ आ सितलहरीक समयमे नवजात शिशुसभकेँ आरामदायी रूपेँ गर्म रखबाक लेल ई १० टा उपाय अछि –
जाढ़ आ शितलहरीके समयमे नवजात शिशु जोगएबाक यी १० उपायपर ध्यान दी…
१. आरामदायी गरम घरः माय आ जन्मौटी बच्चा रहल घरकेँ गरम कऽ कऽ राखी। ओकरा लेल कम सऽ कम घरके २५ डिग्री सेल्यिस तापक्रम होएबाक चाही।
२. नवजात शिशुक पुर्नउत्थानक लेल घरके सदिखन गरम बना कऽ रखबाक चाही।
३. तुरन्त सुक्खा बनाएबः बच्चा जन्मइते काल ओकरा सुखा कऽ गरम रखबाक आवश्यक होति अछि। ओहिके लेल बच्चाके निकसँ सफा करी आ बच्चाके पोछबाक लेल सफा मुलायम आ सुत्तिके कपड़ा प्रयोग करी। जाही सऽ भिजल देह–हाथ–पैरके पानी तुरन्त सुखि जाए।
४. बच्चाके मायक देह सऽ साटि कऽ कोरामे कम सऽ कम ६० सऽ लऽ कऽ ९० मिनट धरि सटा कऽ रखबाक चाही।
५. दूध पिएबाक तरिकाके ध्यानमे राखि सुरुवे सऽ दूध पिएबाक चाही।
६. बच्चाके जन्मइते धरि नहि नहएबाक चाही आ तौल सेहो नहि करबाक चाही।
७. बच्चाके सदिखन सुक्खा आ गरम कपडा पहिरा कऽ रखबाक चाही।
८. माय आ बच्चाके एक्कहि ठाम सङ्गे रखबाक चाही।
९. यात्रा करय बेरमे सकभरि गरम होए से ध्यान देबाक चाहि। जेना बस या कोनो सवारीसाधन होए त ओ गरम होए या बनाबि सकि ताहिके ध्यान देबाक चाही। सँगही सवारीसाधनमे स्वास्थ्य सेवा उपलब्ध होए ओहो ध्यान देबाक चाही।
१०. स्वास्थ्य सेवा प्रदान करयबाला संस्था सभमे कार्यरत कर्मचारी सभके नियमित तालिमक व्यवस्था होएबाक चाही एवं चेतना अभिवृद्धिमूलक कार्यक्रमक आयोजना करबाक चाही।