
मानविकी तथा सामाजिक शास्त्र संकाय (Bachelor of Arts in Maithili) मैथिली विषयक चारि वर्षक बी. ए. क पाठ्यक्रम । B. A. Maithili Curriculum प्रस्तुत अछि। BA Maithili 1st to 4th Year Syllabus and Curriculum of course. Maithili B.A. Pdf Download – Tribhuvan University Maithili Curriculum.
पाठ्यक्रम पत्रगत रुपरेखा २०७६
पाठ्यक्रमक विषयगत उद्देश्य :
एहि पाठ्यक्रमक समष्टिगत अधोलिखित शैक्षिक एवं प्राज्ञिक योग्यता सम्पन्न उच्च स्तरक जनशक्ति उत्पन्न करबे एकर उद्देश्य होयत :
- मैथिली काव्य शास्त्र एवं समालोचनाक विभिन्न पद्धति एवं भेदक सविस्तारसँ क्षमता प्रदान करब ।
- शोध प्रविधिक ज्ञानक संगहि मैथिली भाषा, साहित्य एवं लोक साहित्य सम्बन्धी शोध कार्य
- नाटक, रंगमंच आ रंगकर्मक आधार पर ज्ञान, शीप आ चरित्रक विकास होयत ।
- मैथिली पत्रकारिता तथा साहित्यक विभिन्न विधासँ सिर्जनात्मक प्रतिभाक विकास कराओल जायत ।
- मैथिली भाषा एवं साहित्यमे भेल अद्यपर्यन्त शोधसँ उपलब्ध ज्ञानसँ मण्डित करब ।
- छात्र लोकनिक कोनो नव परिस्थिति आ परिवेशमे सामंजस्य स्थापित करबाक लेल क्षमता प्रदान करब ।
- मैथिली लोक साहित्यक समस्त उपलब्ध सामग्रीक अध्ययन कराए विश्लेषण अभिवृद्धि करब ।
B. A. Maithili Curriculum First Year / प्रथम वर्ष
Code: Maithili 421
Subject: मैथिली साहित्य इतिहास ( Maithili Literature History Syllabus)
Mark: 100
Code: Maithili 422
Subject: भाषा विज्ञान एवं मैथिली भाषा ( Language Science and Maithili Language)
Mark: 100
B. A. Maithili Curriculum Second Year / द्वितीय वर्ष
Code: Maithili 423
Subject: मैथिली काव्य (Syllabus)
Mark: 100
Code: Maithili 424
Subject: मैथिली गद्य एवं रुपक (Syllabus)
Mark: 100
B. A. Maithili Curriculum Third Year / तृतीय वर्ष
Code: Maithili 425
Subject: मैथिली उपन्यास एवं नाटक
Mark: 100
Code: Maithili 410
Subject: मैथिली कार्यमूलक पत्र
Mark: 100
B. A. Maithili Curriculum Four Year / चतुर्थ वर्ष
Code: Maithili 426
Subject: मैथिली काव्य शास्त्र एवं समालोचना
Mark:100
Code: Maithili 427
Subject: शोध प्रविधि एवं लेखन
Mark: 100
B. A. Curriculum – Summary

पाठ्यांश कोड : Maithili 421
पूर्णांक : 100
प्रथम वर्ष तह : बी. ए. पाठ् घण्टा : 150
उत्तीर्णांक : 40
पाठ्यांशक उद्देश्य
- मैथिली साहित्यक काल विभाजन आधार, प्रयोजन एवं विभिन्न विद्वान लोकनिक विचार सभसँ परिचित कराओल जायत ।
- -प्राचीन कालक उपलब्ध सामग्री सभ सँ परिचित कराओल जायत ।
- -विद्यापतिक युग, कृति एवं हुनक प्रभावसँ समकालीन अन्य कवि लोकनिक परिचय देल जायत ।
- आधुनिक कालमे रचित गद्य एवं पद्यक रचनाक क्रम, ओकर स्वरुप एवं पृष्ठभूमि सँ अवगत कराओल जायत ।
Unit-1 मैथिली साहित्यक काल विभाजनक आधार एवं औचित्य काल विभाजन
विभिन्न विद्वान लोकनिक विचार
- आदि काल
लोक साहित्य - प्राचीनतम अभिलेख
ज्योतिरीश्वर
डाक-वचन
प्राज्ञिक
साहित्यिक सामग्री एवं ओकर महत्व
मध्यकाल
(क) विद्यापतिक पूर्ववर्ती कवि, विद्यापति
विद्यापतिक उत्तरवर्तीक कवि
मल्लकालीन साहित्य - (ख) गोविन्ददास, मनबोधक कृतित्व एवं व्यक्तित्वक परिचय (ग) नेपालमे रचित मल्लकालीन नाटक एवं गीतक विवेचन मिथिलामे रचित कीर्तनियाँ नाटकक रचनाक पृष्ठभूमिक परिचय आधुनिक काल
- (क) आधुनिक कालक प्रारंभ एवं पृष्ठमूमिक परिचय
- (ख) मैथिली साहित्यक विकास मे पत्र पत्रिकाक योगदान (ग) मैथिली नाटय रचनाक उद्भव आ विकास (घ) पद्य साहित्यक विकास क्रमक परिचय, प्रमुख विधा- महाकाव्य, खण्डकाव्य, मुक्तक आदिक समीक्षात्मक परिचयक संगहि रचनाकार लोकनिक काव्यात्मक परिचय
- (ङ) नेपालीय मैथिली साहित्यक आधुनिक कालक विविध चरण