
काठमाण्डू महानगरपालिकाक मेयर बालेन साह अपन कार्यकक्षक दवाल पर “ग्रेटर नेपाल”क नक्सा टंङबौलक ।
भारत अपन नव संसद भवनमे, नेपाली भूमि सेहो समावेश कएल गेल “अखण्ड भारत”क म्यूरल आर्ट (बड़का-बड़का दिवाल पर बनाएल गेल बड़का नक्सा) रखने छथि। ओहिके विरोधमे नेपालमे सेहो “ग्रेटर नेपाल”क नक्सा राखब माग उठिरहल काल बालेन सेहो अपन कार्यकक्षमे “ग्रेटर नेपाल”क नक्सा टंङलक अछि ।
अइसँ पहिने अपन कार्यकक्षमे रहल नेपालक थ्रिडी नक्साकेँ हटा कऽ महानगरपालिक मेयर शाह अपन कार्यकक्षमे “ग्रेटर नेपाल”क नक्सा रखने छथि। मेयर शाह एखन भारतमे छथि। भारतमे जाय सँ पहिने उ महानगरक अपन कार्यकक्षमे ओहन नक्सा राख लेल आवश्यक निर्देशन देलनि आ ओहि अनुरुप बृहस्पति दिन वो नक्सा राखल गेल अछि।
“मेयर शाहक निर्देशनेमे आई उ नक्सा राखल गेल अछि,’ स्रोत कहलनि”। मेयर शाहक कुर्सीक ठिक पछाडी बड़का नक्सा राखल गेल छै।
कांग्रेसक महामन्त्री गगन थापा सेहो बृहस्पतिए दिन विराटनगरमे नेपाल सेहो अपन “ग्रेटर नेपाल”क नक्सा बनाए सकैए, बतौने रहथि। भर्खरे, अखण्ड भारतक “म्यूरल नक्सा” भारतक नव संसद भवनमे राखल गेल विषय बारेमे थापा कहने रहथि, “पड़ोसी देश हमर सभक देशक भुगोल समैट कऽ साँस्कृतिक नक्सा कहिए कऽ संसद भवनमे राखि सकै छथि, तऽ नेपाली सब सेहो “ग्रेटर नेपाल” केऽ बारेमे चिन्तन करब आ बनाबऽ केऽ हक रखै छी”, बतौने छथि।