News

काठमाण्डूक मेयर ‘बालेन शाह’ पहिल बेर मातृभाषा ‘मैथिली’ मे बाजैत एलाह नजर

सामाजिक संजालमे भिडियो भेल भाइरल, देखू भिडियो सहित..

Ad

काठमाण्डूक मेयर बालेन शाह पहिल बेर अपन मातृभाषा मैथिलीमे बाजैत नजर एलनि। श्रावण २८ गते हिन्दु धर्मालम्बीसबहक भाइ-बहिनक पवित्र पावनि राखी अर्थात रक्षावन्धनक अवसरमे बालेनक पारिवारीक जमघट भेल अछि। बहिन राखी लगेबाक क्रमक भिडियो सार्वजनिक भेल अछि।

भिडियोमे मेयर बालेन शाहक बहिन ईन्जिनियर निधी शाह राखी बान्हैत कहलनि, ‘ आशीर्वाद ! खूब तरक्की करू’। बालेन मैथिलीमे बाजैत स्पष्ट नजर एलनि। ओ बहिनकेँ जवाब देलनि, ” नइँ अहाँके गुण छै। ” कहैत चरण ढोग कएलनि।

बहिन निधी, ” खूश रह । तरक्की कर ” कहैत आशीर्वाद देने छथि। तहिना पारिवारीक पृष्ठभूमिमे सेहो मैथिलीयेमे बातचित करैत सहजे सुनल जा सकैत अछि।

अइसँ पहिने मेयरपदमे बहुमतसँ जितलाबाद ‘नेवारी’ आ ‘नेपाली’ भाषामे सपथ ग्रहण कएने छलनि। मातृभाषा मैथिली होइतो ‘मैथिली’ मे सेहो सम्बोधन हएबाक छलै कहैत मैथिली अभियानीलोकनि दु:ख व्यक्त कएने छलनि।

भिडियो देखबाक लेल Click करू ⬇️

विद्यानन्द बेदर्दी

Vidyanand Bedardi (Saptari, Rajbiraj) is Founder & Editor of Ilovemithila.com & Music Maithili App, Secretary of MILAF Nepal. Beside it, He is Lyricist, Poet, Anchor & Cultural Activist & awarded by Bisitha Abhiyanta Samman 2017, Maithili Sewi Samman 2022 & National Inclusive Music Award 2023. Email : [email protected]

Related Articles

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *