बर्दिवास नगरपालिका भरिमे आइ भोरेसँ बन्द अछि। गाडी सब जाम लागल अछि। भोरेसँ कारी दुइयाँसँ आकाश रङ्गाएल अछि।

Tilichokart online Shoping in Terai


भर्खरे कतेको राउन्ड हवाइ फाइरिङ्ग भ’ रहल अछि। एखने २ दुटा व्यक्ति घायल भेल जानकारी प्राप्त भेल अछि।

शुभम् बस्तमे रहनिहार ६ वर्षिया बुचियाँके बलात्कार आ हत्याके वाद अवस्था तनाव बनैत जाए रहल अछि।शहिद आलमके बेटी गुलाब साह खातुनके हत्याके आरोपी स्थानिय २५ वर्षीय अरुण कुमार साहके घरमे आगि लगा देने अछि।बुचियाँके लहास बोरामे कसिके खेतमे फेकल गेल अवस्थामे भेल छल। स्थानिय युवा सब विरोध करैत बैंक, दोकान, महेन्द्र राजमार्गके गाडी,मोटरसाइकल इत्यादी सब बन्द करा तीव्र विरोध क’ रहल छै।
भर्खरे कतेको राउन्ड हवाइ फाइरिङ्ग भ’ रहल अछि। एखने २ दुटा व्यक्ति घायल भेल जानकारी प्राप्त भेल अछि।
क्रुरताके हद पार करिके बुचियाँके बलात्कार आ हत्या भेल कहैत युवा सब बहुत आक्रमक बनल अछि।प्रहरी नियन्त्रण करबाक लेल २ ट्रक सशस्त्रकेँ बर्दिवास भरि परिचालन कएने छथि।
ilovemithila

Leave a Reply