News

रासस अध्यक्ष झाद्वारा लिखित ‘बाटो पत्रकारिताको’ पुस्तक विमोचन

मधेश प्रदेश सरकारक मुख्यमन्त्री सरोजकुमार यादव आ गृह, सञ्चार तथा कानूनमन्त्री मो. समिम लगायतक मन्त्रीसभद्वारा संयुक्त रुपमे पत्रकारिता प्रशिक्षण सम्बन्धी पुस्तक विमोचन भेल अछि।

Ad

मुख्यमन्त्री तथा मन्त्री परिषद्क कार्यालयमे आयोजित एक कार्यक्रमबीच शुक्रदिन आमसञ्चार प्राधिकरण प्रकाशन कएने ‘बाटो पत्रकारिताको’ नामक पत्रकारिता प्रशिक्षण सम्बन्धी एकीकृत श्रोत पुस्तक विमोचन कएल गेल अछि। पुस्तक विमोचन करैत मुख्यमन्त्री यादव पत्रकारसभक क्षमता अभिवृद्धि करैवला तालिम, प्रशिक्षण लगायतक कार्यक्रम आगु बढाबऽ लेल जोड़ देलनि।

पत्रकारसभ सत्य-तथ्य आ विश्वसनीयताकेँ आओर मजगूत बनेनाइ आवश्यक रहल कहलनि। ओ कहलनि ‘नीककेँ नीक आ अधलाहकेँ अधलाह लिखऽ पड़त, पत्रकार आ मिडियाकेँ हम सम्मान करैत छी, मिडिया गलत कार्यकेँ गलत लिखि देलापर ओहिकेँ आधार मानि कारवाही करबाक लेल प्रतिवद्ध छी।’ सकारात्मक गतिविधि एवम् विषय-वस्तुकेँ समेत पत्रकारसभ मिडियामे समुचित स्थान देबाक लेल ओ जोड़ देलनि। पत्रकार ओ मिडिया क्षेत्रक प्रवर्धन सम्बन्धी काजसभ अगाडि बढाब लेल प्राधिकरणकेँ निर्देशन दैत मुख्यमन्त्री यादव आवश्यक बजेट अभाव पूर्ति करबाक विश्वास व्यक्त कएलनि ।

गृह, सञ्चार तथा कानून मन्त्री समिम प्राधिकरण प्रकाशन कएने ‘बाटो पत्रकारिताको’ नामक पत्रकारिता प्रशिक्षण सम्बन्धी एकीकृत श्रोत पुस्तककेँ बेसीसँ बेसी उपयोग करबाक लेल जोड़ देलनि। ओहि अवसरमे भूमि व्यवस्था, कृषि तथा सहकारी मन्त्री गोबिन्द बहादुर न्यौपाने, खेलकुद तथा समाज कल्याण मन्त्री सुरिता साह, स्वास्थ्य तथा जनसङ्ख्या मन्त्री विरेन्द्र प्रसाद सिंह, उर्जा, सिंचाइ तथा खानेपानी मन्त्री सिंगासन साह कलबार, उद्योग, वाणिज्य तथा पर्यटन मन्त्री सुनिता यादव, श्रम तथा यातायात मन्त्री चन्दन कुमार सिंह समेतकेँ विशेष उपस्थिति रहल छल।

कार्यक्रममे आमसञ्चार प्राधिकरणक अध्यक्ष श्यामसुन्दर यादव आ प्रशासकीय प्रमुख उपेन्द्र कुमार सिंह प्राधिकरणक वार्षिक प्रतिवेदन समेत मुख्यमन्त्री यादव आ गृह, सञ्चार तथा कानूनमन्त्री समिमकेँ बुझौलनि।

‘बाटो पत्रकारिताको’ नामक पत्रकारिता प्रशिक्षण सम्बन्धी एकीकृत श्रोत पुस्तकक लेखन नेपाल पत्रकार महासंघक पूर्व अध्यक्ष, राष्ट्रीय समाचार समितिक अध्यक्ष समेत रहल पत्रकारिताक वरिष्ठ प्रशिक्षक धर्मेन्द्र झा कएने छथि। उक्त पुस्तकमे आधारभूत पत्रकारिता, टेलिभिजन पत्रकारिता, श्रब्यदृश्य छायाङ्कन तथा सम्पादन, रेडियो पत्रकारिता, फोटो पत्रकारिता आ कृषि पत्रकारिता सम्बन्धी तालिम सञ्चालनकेँ लेल निर्देशिका सहितक पाठ्यक्रम समावेश कएल गेल अछि।

कैलाश कुमार ठाकुर

कैलाश कुमार ठाकुर [Kailash Kumar Thakur] जी आइ लभ मिथिला डट कमके प्रधान सम्पादक छथि। म्यूजिक मैथिली एपके संस्थापक सदस्य सेहो छथि। Kailash Kumar Thakur is Chef Editor of ilovemithila.com email - [email protected], +9779827625706

Related Articles