News

जनकपुरधाममे ‘भूमि लोक महोत्सव २०८०’ के आयोजन भऽ रहल

मधेश प्रदेशक राजधानी जनकपुरधामकेँ साङ्गीतिक पर्यटन प्रवर्द्धनमे योगदान पहुँचेबाक उद्येश्यसँ पहिल बेर ‘भूमि लोक महोत्सव २०८०’ क आयोजना भऽ रहल अछि।

Ad

आइ भूमि मिडियाक संस्थापक निर्देशक रश्मि रञ्जन झा पत्रकार सम्मेलन कऽ आबि रहल कार्तिक १७ गते शुक्रदिन भूमि लोक महोत्सवक आयोजना कएल जाएत बतौलीह।

‘भूमि लोक महोत्सव’ जनकपुरधाम स्थित तिरहुतिया गाछीमे आयोजना हएत। साङ्गीतिक क्षेत्रमे २५ वर्षसँ अपन पृथक पहिचान बनेने रञ्जन झा आ कार्यक्रम व्यवस्थापनमे एक दशकसँ सक्रिय रहल तृष्णा सिंह भण्डारीक पहल आ सक्रियतामे महोत्सवक आयोजना हुअ जा रहल जनाओल गेल अछि।

मिडियाक अध्यक्ष झाक अनुसार लोक महोत्सवमे ख्याति प्राप्त सङ्गीत साधकसभक जनकपुरधाममे जमघट समेत कराओल जाएत। महोत्सव अवधिभरि मिथिला-मधेशकेँ झलकावला विविधरास लोक झाँकीक प्रदर्शन समेत कएल जाएत ओ बतौलीह।

एहि महोत्सवमे विभिन्न स्टलसभ समेत राखल जाएत से आयोजक पक्ष जनतब देलनि। एहि महोत्सवमे अन्तर्राष्ट्रीयस्तरके साङ्गीतिक प्रस्तुति हएत संस्थापक निर्देशक झाक कहब अछि।

कैलाश कुमार ठाकुर

कैलाश कुमार ठाकुर [Kailash Kumar Thakur] जी आइ लभ मिथिला डट कमके प्रधान सम्पादक छथि। म्यूजिक मैथिली एपके संस्थापक सदस्य सेहो छथि। Kailash Kumar Thakur is Chef Editor of ilovemithila.com email - [email protected], +9779827625706

Related Articles