News

प्लेबैक गायक भूपिंदर सिंहक निधन, मैथिलीमे सेहो रहल योगदान

मैथिली भाषामे सिताराम सिंहक सङ्गीतमे आ नचिकेताक शब्दमे दूटा गीत गेने छथि।

Ad

अइ सम्बनधमे हुनकर पत्नी आ गायिका मिताली सिंह जानकारी देलनि अछि। बताओल गेल अछि जे 82 वर्षीय भूपिंदर सिंह किछु समयसँ ई बेमारीसँ लड़ि रहल छलाह। 10 दिन पहिने हुनका मुंबईके क्रिटी केयर अस्पतालमे भर्ती कराओल गेल छल जत’ हुनकर इलाज चलि रहल छल। अइसँ पहिने कोविड संक्रमित भेल छल।

मिताली सिंह कहली जे किछु समयस ओ मूत्र संबंधी समस्या सहित कएटा स्वास्थ्य सम्बन्धी जटिलता ग्रसित छलाह। भूपिंदर सिंहक अंतिम संस्कारक व्यवस्था सहित आओर जानकारी बादमे साझा कएल जाएत।

भूपिंदर कोन बेमारीसँ ग्रसित छलाह ?

बताओल जा रहल अछि जे भूपिंदर सिंहक बड़का आंतमे कैंसरक संभावना छल। दोसर दिस कोविड हेबाक कारण हुनकर स्वास्थ्य लगातार बिगड़ैत रहल छल। सह-रोगक समस्याकेँ कारण सोमदिन साँझ 7:30 बजे भूपिंदर सिंहके मृत्यु भ’ गेल। भूपिंदर सिंहके निधन बॉलीवुड इंडस्ट्री लेल एकटा पैघ झटका मानल जा रहल छै।

भूपिंदर सिंहक ‘मौसम’, ‘सत्ते पे सत्ता’, ‘अहिस्ता अहिस्ता’, ‘दूरियां’, ‘हकीकत’ आओर कएटा अन्य फिल्ममे हुनक यादगार गीतक लेल याद कएल जाइत अछि। हुनकर किछु मशहूर गीतमे ‘होके मजबूर मुझे, उसने बुलाया होगा’, (मोहम्मद रफी, तलत महमूद और मन्ना डे के साथ), ‘दिल ढूंढता है’, ‘दुक्की पे दुक्की , सत्ते पे सत्ता’ आदि रहल अछि।

मैथिलीमे सङ्गीतकार सिताराम सिंहक सङ्गीतमे आ गीतकार उदय नारायण सिंह ‘नचिकेता’ क शब्दमे दूटा गीत गेने छलाह।

किये रहैछी दूर दूर ⬇️

हमर आकाशमे एखनहु चानक छाया छै ⬇️

विद्यानन्द बेदर्दी

Vidyanand Bedardi (Saptari, Rajbiraj) is Founder member of I Love Mithila Media & Music Maithili App, Secretary of MILAF Nepal. Beside it, He is Lyricist, Poet, Anchor & Cultural Activist & awarded by Bisitha Abhiyanta Samman 2017, Maithili Sewi Samman 2022 & National Inclusive Music Award 2023. Email : Vidyanand.bedardi96@gmail.com

Related Articles

Leave a Reply