News

विश्व साइकिल यात्री पुष्कर शाहके नेतृत्वमे महाकालीसँ मेचीधरि साइकिल यात्रा

...सिन्धुलीगढी, जनकपुर, गाईघाट, धरान, ईटहरी, विराटनगर... होइत जएबाक

विश्वके १५० देशमे ११ वर्ष लगाके साइकिल यात्रा पूरा कएनिहार विश्व साइकल यात्री पुष्कर शाहके नेतृत्वमे साइकल यात्रा सुरू हेबबला अछि। एहि कात्तिक १७ गते पर्यटन व्यवसायीसभके सहयोगमे महाकालिसँ मेचीधरि यात्रा हुअ लागल अछि।

सुदूरपश्चिमके महेन्द्रनगरसँ आरम्भ हुअबला साइकिल यात्रा पुरबके काँकड़भिट्टा पहुचँके २४ दिनमे समापन हेत। एहि कार्यक्रमके ‘नेपाल साइकल उत्सव यात्रा २०७७’ नाम देल गेल अछि।

कोरोना भाइरसके कारणेँ निच्चा भेल पर्यटन क्षेत्रकेँ ई साइकिल यात्रा पुन: पर्यटक वृधिमे योगदान देबाकसे विश्वास रहल यात्री एवंम् पर्यटन व्यवसायी मुत्ति पाण्डे जानकारी देलथि।

साइकिल यात्रामे विश्व साइकिल यात्री पुष्कर शाहसहित राजेन्द्र सापकोटा,हिम गुरुङ,एक्सपान्सन दाहाल,शंकर अधिकारी,सीएन पान्डे,सुभाष केसी, सम्राट पान्डे, महेन्द्र अधिकारी,माधव नेपाल लगाएत सहभागी छथि। यात्रा संयोजक पुष्कर शाहके अनुसार महेन्द्रनगरसँ हाेइत धनगढी, चिसापानी, विरेन्द्रनगर, नेपालगन्ज, अमेलिया, तुल्सीपुर, घोराही, स्वर्गद्वारी, भालुबाङ, तौलिहवा, भैरहवा, बुटवल, तानसेन, बागलुङ, पोखरा, नारायणघाट, हेटौंडा, सिन्धुलीगढी, जनकपुर, गाईघाट, धरान, ईटहरी, विराटनगर, दमक, विर्तामोड़ आ काकडभिट्टामे जा क’ यात्रा समापन हेत। जम्मा रूटके दूरी १ हजार ६ सय २४ किलोमिटर हेत शाह जानकारी देलक।

 

उक्त यात्रामे साइकिल यात्राके उद्घाटनमे  १५ गोटा मात्र सहभागी रहत मुदा विभिन्न स्थानपर पहुँचलाक बाद ओहि ठामक साइकिल यात्री सेहाे सहभागी रहताह। मुदा Covid-19 परिक्षणमे Negative केँ मात्र सहभागी कराएल गेल ओ जानकारी देलथि।

ई कार्यक्रम नेपाल पर्यटन बोर्डके प्रवद्र्धन तथा टान, नाटा आ नेपाल पर्वतारोहण संघके सहयोगमे कार्यक्रम हुअ लागल अछि।

गजेन्द्र गजुर

Gajendra Gajur [गजेन्द्र गजुर] is News Editor of Ilovemithila.com . Maithili Language Activist. He is Also Known for His Poetry. One of the Founder of Music Maithili App. गजेन्द्र गजुर एहि वेबसाइटक समाचार संयोजक छथि। कवि सेहो छथि। Email- [email protected],

Related Articles

Leave a Reply