News

कात्तिक २२ आ २३ गते ‘बरियारपट्टी विज्ञान तथा कला प्रदर्शनी–२०८०’ भऽ रहल

विजेताकेँ देल जाएत नगद १८ हजार टक्काक पुरस्कार

आइ लभ मिथिला
सिरहा।

Ad

नवनिर्मित सामाजिक संस्था बरियारपट्टी युवा समाजक आयोजनामे ​​इहए कात्तिक २२ आ २३ गते बरियारपट्टी–३ स्थित श्री जनता माध्यमिक विद्यालय प्राविधिन धार कृषि बालीक प्राङ्गणमे ‘बरियारपट्टी विज्ञान तथा कला प्रदर्शनी–२०८०’ क आयोजन हुअ जा रहल अछि।

बरियारपट्टी युवा समाज कार्यक्रममे नवप्रवर्तन, सिर्जनशीलता आ सामुदायिक संलग्नताक लेल मञ्च बनत से प्रतिवद्धता जनबैत प्रदर्शनीमे सहभागी विद्यार्थीसभक शैक्षिक स्तरकेँ आगु बढ़ाओत आ प्रतिभासभकेँ प्रवर्द्धन करत से प्रतिबद्धता व्यक्त कएने अछि।

दू दिन धरि चलऽवला ओहि कार्यक्रममे जिलाभरिक विद्यार्थीसभक विविधता प्रस्तुत करबाक उद्देश्यसँ सिरहा जिलाक सभटा विद्यालयक सहभागिता हएबाक बात आयोजकसभ तैयारी कएने छथि। प्रदर्शनीमे विज्ञान, सामाजिक, वातावरण आ कला मिलाकऽ चारिटा विधा समावेश कएल गेल अछि। जइँमे १५० सँ उपर परियोजनसभ प्रस्तुत कएल जाएत। कला-संस्कृति, लोकनृत्य प्रस्तुति रहत। भोजनक स्टल लगाओल जाएत। विभिन्न खेलकुदक कार्यक्रम आ नि:शुल्क स्वास्थ जाँच कराओल जाएत।

प्रत्येक विधाक लेल, विजेता, प्रथम रनर अप आ दोसर रनर अप नगद पुरस्कार प्रदान कएल जाएत।

विजेताकेँ नगद १८ हजार टक्का, प्रथम १० हजार टक्का आ दोसर ८ हजार टक्काक पुरस्कार देल जाएत। उपर उल्लेखित विधासभ बाहेक, +2 विधाक विजेता सेहो नगद १५,००० टक्काक पुरस्कार प्रदान कएल जाएत। प्रदर्शनीमे कक्षा ७ सँ १२ धरिक विद्यार्थीसभक सहभागिता रहत।

उक्त प्रदर्शनी कार्यक्रमक म्यूजिक पार्टनर म्यूजिक मैथिली रहल अछि त कमन्यूटी पार्टनर ईलेक्ट्रीकल भ्लग (EV) आ ॠषी जल रहल रहल अछि। तहिना रेडियो पार्टनर रेडियो समग्र रहल अछि।

विद्यानन्द बेदर्दी

Vidyanand Bedardi (Saptari, Rajbiraj) is Founder member of I Love Mithila Media & Music Maithili App, Secretary of MILAF Nepal. Beside it, He is Lyricist, Poet, Anchor & Cultural Activist & awarded by Bisitha Abhiyanta Samman 2017, Maithili Sewi Samman 2022 & National Inclusive Music Award 2023. Email : Vidyanand.bedardi96@gmail.com

Related Articles