नाम: डा धीरेश्वर झा ‘धीरेन्द्र'[Dr. Dhirendra]
जन्म : जुन १४, १९३४, लोहना
प्रकाशित कृति :
- हैंगरमे टाङ्गल कोट (कविता संग्रह),
- काल्हि आ आइ(कविता संग्रह),
- भोरूकवा,
- कादो आ कोइला,
- ठुमुकि बहु कमला (उपन्यास)
- करुणा भरल ई गीत हम्मर (गीतसंग्रह)
- नेपालक प्रतिनिधि मैथिली गल्प (सम्पादन)
डा. धीरेन्द्रके मुल नाम धीरेश्वर झा छल। हिनकर विहारक लोहना गाममे जन्म भेल रहए। डा. धीरेन्द्र सन् १९४९ सँ साहित्य लेखन शुरू कएलने छलाह। दरभङ्गासँ प्रकाशित होएबला वैदेही पत्रिकामे सभ्य लोग शीर्षकके कथा हिनक पहिल प्रकाशित रचना अछि। सन् १९४९ मे हस्तलिखित पत्रिका चिनगीमे नवगीत नामक पहिल कविता प्रकाशित कएलनि। डा. धीरेन्द्र मैथिली, नेपाली, हिन्दी, बङ्गला, अङ्ग्रेजी भाषाके जानकार छलथि। लोक साहित्यमे विद्यावारिधी कएने छलाह।
नेपालमे त्रिभुवन विश्वविद्यालयके मैथिली विभाग प्रमूखके रूपमे १ अगस्त १९६९ मे जनकपुर आएल रहथि। अन्हारोमे ताकी सदा बाट भोरक, डा. धीरेन्द्र [ Dr. Dhirendra मैथिली साहित्यके सेवा कएलनि तहिना नव युवक समूहके साहित्यमे प्रवेश करबा मैथिली भाषाके भविष्यके जिम्मेवारी हस्तान्तरण कएलनि। हिनक लेखनमे मार्मिक तथा कारूणिक भावके चितरण बेसी पाएल जाइ छै।
हिमाल खबर पत्रिका अप्रैल २०५७ मे देशक १०१ आधुनिक व्यक्तित्वकेँ सूचीबद्ध कयलक अछि। धीरेन्द्रक नाम उल्लेख छल।