News

मैथिल संचारकर्मी संघद्वारा सक्रिय संचारकर्मीकेँ प्रदान लेल पुरस्कार स्थापना

पुरस्कारदाता : संचारकर्मी एवं कलाकार वीरेन्द्र कुमार साह..

Ad

नेपाल पत्रकार महासंघ मोरङमे शनिदिन बैसल संघके बैठक रामपरी साह संचारकर्मी प्रोत्साहन पुरस्कार स्थापना भेल अछि। संघके सचिव संचारकर्मी एवं कलाकार वीरेन्द्र कुमार साह अपन दादी रामपरी साहक स्मृतिमे प्रत्येक वर्ष प्रदान कर’ कए हिसाबसँ पुरस्कारके घोषणा कएने छलनि ।

पुरस्कारक राशी ५ हजार ५१ रुपैया रहल अछि । ई पुरस्कार प्रत्येक वर्ष मैथिल संचारकर्मी संघक स्थापना दिवस फागुन २९ गतेके दिन प्रदान कएल जाएत संघके अध्यक्ष नवीन कर्ण जानकारी देलनि। मोरङ कार्यक्षेत्र रहल संघमे आबद्ध संचारकर्मीसबकेँ ई पुरस्कार प्रदान कएल जाएत ।

आगामी दिनमे आओर पुरस्कारसब घोषणा करवाक नियार भरहल संघ जानकारी देने अछि। कार्यक्रममे संघक कोषाध्यक्ष राकेश कर्ण, सदस्यसब सन्तोष मेहता, शिवम मिश्रा, पवन शाह, हुसैन शेख आ उषा सरदार लगायतक सहभागिता रहल छल ।

संघके बैठक आन महत्वपूर्ण निर्णयसब सेहो कएने अछि ।

■ श्रोत : नवीण कर्ण, विराटनगर

विद्यानन्द बेदर्दी

Vidyanand Bedardi (Saptari, Rajbiraj) is Founder member of I Love Mithila Media & Music Maithili App, Secretary of MILAF Nepal. Beside it, He is Lyricist, Poet, Anchor & Cultural Activist & awarded by Bisitha Abhiyanta Samman 2017, Maithili Sewi Samman 2022 & National Inclusive Music Award 2023. Email : [email protected]

Related Articles

Leave a Reply