News

खुन अभाव भेलापर SYSS द्वारा रक्तदान कएल गेल

SYSS द्वारा ६ मे तेसर रक्तदान कएल गेल।

रक्तदान जिवनदान कहल जाइ छै। सिरहाके Sunrise Youth Siraha सन्जाल (YSSS ) ६ महिना भितरमे तेसर बेर खुनके दान कार्यक्रम कएने छथि।खुन अभाव बढि गेलाक वाद सिरहाके अर्नाहा गाउँपालिका १ मनहौरमे शनिदन रक्तदान कार्यक्रम सम्पन्न भेल अछि।जाहिमे ३१ प्रिन्ट खुन संकलन भेल संजाल जानकारी देलक।

Ad
रक्तदान कएनिहारकेँ सम्मान करैत SYSS संस्थाक पदाधिकारी



रेडक्रस सोसाइटी लहानके प्राविधिक सहयोगमे २९ पुरुष आ २ महिला खुनके दान कएल जानकारी संजालक अध्यक्ष शोभा साह देने छथि।

रक्तदान समाजक युवा , अगुवा तथा स्वस्थ्य व्यक्तिसबके समय समयपर करैत रहबाक चाही। जाहिसँ दोसरके जान सेहो बचि जेतै। ई बहुत बडका काम रहल बात संस्थाक अध्यक्ष बतौलनि।

गजेन्द्र गजुर

Gajendra Gajur [गजेन्द्र गजुर] is News Editor of Ilovemithila.com . Maithili Language Activist. He is Also Known for His Poetry. One of the Founder of Music Maithili App. गजेन्द्र गजुर एहि वेबसाइटक समाचार संयोजक छथि। कवि सेहो छथि। Email- [email protected],

Related Articles

Leave a Reply