कोरोना भाइरससँ संक्रमित लोकसभ अस्पताल वा घरहिमे आइसोलेसनमे रहैत अछि प्रायः । ओकरासभक लेल संक्रमणमुक्त नइँ होब’धरि घुमफिर करबाक बात सम्भव नइँ हएत। मुदा ब्राजिलमे एकटा एहन मनमोहक टापु अछि जत’ कोरोना संक्रमित लोकसभ घुम’ लेल जा सकैत अछि।
कोरोना भाइरस संक्रमणके संख्याक हिसाबसँ अमेरिकाके बाद दोसर स्थानमे रहल ब्राजिलमे अखनधरि ३८ लाखसँ बेसी लोक संक्रमित भ’ चुकल अछि तँ १ लाख २० हजारसँ बेसीके मृत्यु भ’ चुकल अछि।
संक्रमणक भयावह अवस्थाके बीच ब्राजिल सरकार देशके फर्नान्डो डी नोरोन्हा टापुके पर्यटकक लेल खुल्ला कएने छथि । रोचक बात तँ ई अछि जे ओत’ आब’वला पर्यटकसभ कोरोना भाइरस संक्रमित हुअ पड़त। अर्थात् उक्त टापुमे प्रवेश कर’ लेल कोरोना भाइरस पोजेटिभक रिपोर्ट पेश कर’ पड़त।
ओत’ जाएवला पर्यटक कोरोना संक्रमित भेल रिपोर्टक संग एक पर्यावरण संरक्षण कर समेत भुक्तान कर’ पड़त।
युनेस्कोक विश्व सम्पदा सूचीमे सूचीकृत ई टापु कोरोना भाइरस महामारी संग बितल मार्च महिनासँ बन्द छल। जेकरा सरकार खुल्ला कर’ मे जुटल छथि।
ई टापु सुन्दरताक लेल स्वर्गक टुकड़ी जकाँ अछि । उजर बालु युक्त तटीय क्षेत्र आ हराभरा जंगल भेल ई टापुमे एक दिनमे केवल ४५० गोटेके मात्र प्रवेश देल जाइत अछि।
(Sorce: Agency)