ज्योती विश्वकर्मा आ डा. शैलेश कुमार मिश्रक आवाजमे…
मैथिली सङ्गीतक लोकप्रिय युवा गायिका ज्योती विश्वकर्मा आ गायक डा. शैलेश कुमार मिश्रक आवाजमे नव सालक अवसरमे नव सुआद आ नव अवधारणाक सङ्ग गुणस्तरिय भिडियो सहित मैथिली-नेपाली भाषा मिश्रित म्यूजिक भिडियो ‘रूप अहाँके चमकए जेना चांदनी’ एहि बैशाख १० गते सार्वजनिक भेल अछि।
उक्त गीतक सङ्गीत कम्पोज एवं एरेन्ज मैथिली सङ्गीतक सुप्रसिद्ध सङ्गीतज्ञ शैलेन्द्र विश्वकर्मा कएने छथि त शब्द युवा गीतकार सरोज मण्डल गढ़ने छथि।
उक्त प्रेम-गीतमे नव-नायिका नम्रता अर्याल आ अभिशेष रोशनक प्रेमिल अभिनय रहल अछि।
फिल्म एवं नाटक क्षेत्रमे ख्याति प्राप्त मिथिला नगरी, जनकपुरधामबासी काठमाण्डूमे जमि रहल प्रभावशाली निर्देशक अमितेश साहक निर्देशन रहल भिडियोमे दृश्य सम्पादन आ रङ्ग संयोजन कृष्ण भण्डारी, छायांकन संकल्प भुजेल आ नृत्य संयोजन सुरेश पाण्डे कएने छथि।
एहिसँ पहिने सप्तरी निवासी गायक डा. मिश्र दूटा नेपाली म्यूजिक भिडियो ‘ मुटु मात्र साथमा छ” आ “रूप रै’छ ज्योती झैँ” सँ अपन गायिकीक पहिचान बनेने छथि। शीघ्र एकटा मैथिली एलवमक निर्माणमे डा. मिश्र लागल जानकारी समेत प्राप्त भेल अछि।
उक्त म्यूजिक भिडियो ‘बुढा सुब्बा डिजिटल’ Youtube Channel मादे सार्वजनिक भेल अछि।