माधवराज खरेलक लेखन आ निर्देशन रहल नेपाली भाषाक चलचित्र ‘चिट्ठी’ क टाइटल डिजाइन सार्वजनिक कएल गेल अछि । कमेडी, सस्पेन्स आ थ्रिलर जेनरमे बनल ई चलचित्रमे सञ्जित भण्डारी, खड्गबहादुर पुन मगर ‘खबपु’, गोपाल ढकाल ‘छन्दे’, नवराज थापा, मुस्कान लामा, प्रवण भुषाल, कञ्चन चालिसे, नम्रता खरेल पौडेल लगायतक अभिनय रहल अछि।
एरा प्रोडक्सनक ब्यानरमे सञ्चारकर्मी समेत रहल कमला जोशी ई चलचित्र निर्माण कएने छथि त अनिता कुँवर आ कृष्णा आचार्य एसोसियट निर्माता आ सह-निर्माता समीर खान रहल छथि।
चलचित्रमे पत्रकार, गायक तथा सङ्गीतकार सरोज कोइराला चलचित्रमे सङ्गीत देने छथि त गीतमे शिव परियार, बेनिशा पौडेल आ वसन्त अर्यालक स्वर रहल अछि । डा.कृष्णहरि बराल आ कमला जोशी गीत रचना कएने छथि। ई चलचित्रमे एकटा शिव ताण्डव भजन समेत रहल अछि। भजनक सङ्गीत कम्पोज राजेन्द्र बजगाईँ कएने छथि।
जीवन पराजुली आ राजन खरेलक छायाङ्कन कएने छथि। अच्युत बजगाईँ आ माधव खरेल मिलिक’ सम्पादन कएने छथि। ई चलचित्रकेँ सन् २०२४ भितरेमे प्रदर्शन करबाक जानकारी सह-निर्माता समीर खान देने छथि।