News

नेपाल आ भारतक प्रधानमन्त्रीद्वारा क्रिसमसके शुभकामना देलनि।

काठमाण्डू, नेपालक प्रधानमन्त्री पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’ इसाई धर्मावलम्बीसभक पर्व ‘क्रिसमस डे’क अवसरमे देश तथा विदेशमे रहल इसाई धर्मावलम्बीसभकेँ शुभकामना देलनि। शुभकामना सन्देशमे ओ क्रिसमस पर्व राष्ट्रिय एकता, धार्मिक सहिष्णुता ओ सामाजिक सद्भावकेँ आओर मजगूत बनाबयमे नीक भूमिका खेलत से विश्वास अछि, बतौलनि।

Ad

प्रधानमन्त्री प्रचण्ड द्वारा सार्वजनिक कैल गेल सन्देशमे नेपालक संविधान बहुसांस्कृतिक विविधताकेँ सम्मान करैत मौलिक हककेँ रुपमे सुनिश्चित कैल विभिन्न जात, जाति, धर्म, भाषा, संस्कृति ओ सम्प्रदायबीच पारस्परिक सद्भाव, सहिष्णुता एवं ऐक्यबद्धता कायम कऽ राष्ट्रिय एकता प्रवर्द्धन कयब सभक सँझीआ जिम्मेवारी भेल उल्लेख कएलनि।

२१म शताब्दीक भूमण्डलीकरणक आधुनिक युगमे देश, भूगोल, भाषा, संस्कृति आ आस्थाक दृष्टिसँ सम्पूर्ण मानव जाति सामन्जस्यता तरफ जा रहल प्रधानमन्त्री दाहाल अपन सन्देशमे उल्लेख कएने छथि। प्रधानमन्त्री प्रचण्ड राष्ट्रिय एकता, धार्मिक सहिष्णुता सहितक नेपाली मौलिक साझा राष्ट्रिय संस्कृतिक निर्माणमे ऊर्जा प्रदान करता से अपेक्षा सहित क्रिसमस पर्व सङ्कीर्ण घेरासभकेँ तोडैत बृहत्तर राष्ट्रिय हित ओ मानव जातिकेँ कल्याणक निमित्त सभकेँ प्रेरित करैत आएल बतौलनि।

ओम्हर, भारतक प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदी सेहो
“ईसाइसभकसङ्ग पुरान, आत्मीय ओ मधुर सम्बन्ध रहल” कहैत धुमाधामसँ क्रिसमस पर्व मनाओल आ रहल अवसरमे ईसाई धर्मालम्बीसभकेँ शुभकामना देने छथि। एहि विशेष अवसरमे प्रधानमन्त्री मोदी अपन घर पर ईसाई समुदायक लोकसभसँ भेंटघाट कएलनि आ बातचीत करैत इहो कहलनि जे गरीब ओ वन्चितसभक सेवामे ईसाई समुदाय सबसँ आगा रहल छथि। ओ कहलनि – भारत देशक प्रति हूनकर सभक योगदानकेँ गर्वसँ स्वीकार कैल गेल अछि। ओ आगा आओर कहलनि जे सरकार सुनिश्चित कऽ रहल अछि विकास सबधरि पहुंचै।

एहि विषयमे किछु सामाजीक कार्यकर्तासभ क्रिसमस एवं पाश्चात्य नव वर्ष पर ईसाई मिशनरीसभ द्वारा षड्यंत्रपूर्वक समाजमे छद्मरूपेँ धर्मान्तरण कराओल जा रहल कहैत क्रिसमस पर्वकेँ विरोध सेहो कैल जा रहल छै।
दोसर तरफ काठमाण्डू महानगरपालिका प्लाष्टिकके ‘क्रिसमस ट्री’, प्लास्टिक फूल, माला तथा सजावटक सामान प्रयोग पर निषेध लगौने अछि। महानगर प्लाष्टिकके फूल, माला तथा सजावटक सामानसभ किनबेच नइँ करबाक लेल अगाड़ीएसँ आग्रह कएने अछि। प्लाष्टिकक सामान किनबेच कैल गेल भेटला पर जफत कैल जाएत कहि चेतावनी समेत देल गेल अछि।

अंग्रेजी कैलेण्डर अनुसार प्रत्येक वर्ष २५ डिसेम्बरके मनाओल जाइवला ‘क्रिसमस डे’ हिन्दू पत्रा अनुसार एहि वर्ष पुस ९ गते पड़ल छै। आईके दिन एहि अवसरमे बनावटी ‘क्रिसमस ट्री’केँ रङ्गीचङ्गी बत्तीसभसँ सजाओल जाइछ।

प्लास्टिकक फूल, माला तथा सजावटक सामानसभ नइँ सँडैत अछि तथा ई सब वातावरणकेँ प्रदूषित करैत छै कहि महानगर अईसभक किनबेच पर रोक लगौने प्रष्ट कएने छै।

कैलाश कुमार ठाकुर

कैलाश कुमार ठाकुर [Kailash Kumar Thakur] जी आइ लभ मिथिला डट कमके प्रधान सम्पादक छथि। म्यूजिक मैथिली एपके संस्थापक सदस्य सेहो छथि। Kailash Kumar Thakur is Chef Editor of ilovemithila.com email - [email protected], +9779827625706

Related Articles