शपत ग्रहणेके दिन सप्तरी २ सँ निर्वाचित सांसद सीके राउतके पुतला दहन भेल छै। मैथिली भाषाकेँ मधेशी भाषा कहिक शपत ग्रहण कएलाक बाद उक्त विरोध समाजिक संजालसँ सुरू भेल छल। आइ राजविराजमे सीके राउत के विरोध स्वरूप पुतला दहन भेल अछि। उक्त समाचार संकलनमे रहल पत्रकार नविन यादवकेँ जनमत कार्यक्रताद्वारा मुक्का प्रहार केलक अछि।
अपन विरोधके अभिव्यक्ति द रहल मिलाफ नेपालक सचिव विद्यानन्द वेदर्दीकेँ जनमत कार्यक्रताद्वारा मारि रहल अवस्थामे तस्विर लेबाक क्रममे पत्रकार नविन यादवके उपर उक्त हमला भेल अछि। आम नेपाली टेलिभिजनके पत्रकार समेत रहल यादव, पत्रकारके कर्तव्य छी समाजमे भ रहल प्रत्येक विरोध, प्रतिरोधके देखब, लिखब । लेकिन जनमतके कार्यक्रता हमला करि रहल फोटो लेलाक बाद उल्टे पत्रकारे उपर हमला करबै ? महाआन्दोलन सबमे सेहो पत्रकारके विशेष ग्राहयता दै छै। कार्यक्रताद्वारा एना कएनाइ घोर विरोध करै छी।
सीके राउत अपन मातृभाषा मैथिली प्रति इमानदार नइँ रहल तथा वैराग देखि वचाब सम्ममे मैथिली प्रति मीठ मीठ बात उल्लेख करैत सन् २०१८ फरबरी महिनामे मैथिली प्रति घृणात्मक अभिव्यक्ति देनिहार सीके राउत हाल मधेशी भाषामे शपत लै लेल संसद सचिवालयमे दर्ता करेलाक बाद हम सब आन्दोलित भेल छी, मिलाफ नेपालक अध्यक्ष रमिला साह जानकारी देलक।
प्रथम बेर राजविराजमे सीके राउतकेँ विरोध स्वरूप पुतला दहन भेल छै। सीके राउत हाल राजनितिमे चर्चित नाम अछि। युवा पुस्तामे आकर्षित रहल सीके राउत अपन मातृभाषा लेल, सुरूमे तिरहुता फन्टके सेहो कम्पुटराइड केने छलथि। मुदा आब हिनकर नियतमे शंका भेलाकबाद जनता विरोध सेहो कएलक अछि।
मैथिली साहित्य परिषद् राजविराजक अध्यक्ष सतिश दत्त तथा मिलाफ नेपाल संयुक्त विज्ञप्ति जारी करैत जानकारी देलक।
प्रेस विज्ञप्ती
नव निर्वाचित प्रतिनिधि सभा सदस्यसबकेँ काठमाण्डु स्थित संसद भवनमे शपथ ग्रहण कराएल गेल सर्वविदित अछि। अइमे मातृभाषामे शपथ लेलक, विशेषत: मातृभाषा मैथिलीमे शपत लेलनिहार सांसदसभकेँ हार्दिक बधाइ ! एंवम् धन्यवाद ।
अइ संन्दर्भमे मैथिली भाषी क्षेत्रसँ प्रतिनिधित्व कएनिहार तथा राष्ट्रिय राजनितिमे धुमकेतु जँका उदय भेल जनमत पार्टीके राष्ट्रिय अध्यक्ष श्री चन्द्रकान्त (सीके) राउत, जनमतसँ सासंद बनल अन्य व्यक्तसभ संसदीय सचिवालयमे अपन सेहो अपन मातृभाषाके रूपमे नेपालमे कहियो नइँ बाजल जाएबला मधेशी भाषाके चिहिन्त करवैत ओहि भाषामे शपथ लेलक, जे मैथिली भाषी रहियो अपन मातृभाषा मैथिलीकेँ नाम पर भेल प्रहार प्रति ध्यानाकर्षण भेल अछि।
मैथिली भाषी क्षेत्रसँ प्रतिनिधित्व करितो आ अइ क्षेत्रक लोकप्रिय मत सँ राष्ट्रिय पार्टीक मान्यता प्राप्त कएल जनमत पार्टीद्वारा ‘मधेशी भाषा, कहिक नव भाषामे जे, कहियो कोनो भाषा वैज्ञानिकद्वारा प्रकाशित कोनो लेख, नेपाल केन्द्रिय तथ्यांक विभाग, तथा अधिकारिक दस्तावेजमे नइँ रहल अइ भाषामे शपत लेबाक, तथा संसद सचिवालयद्वारा मान्यता देलक। से अनाधिकार, अनुप्युक्त तथा शपत ग्रहणके खिल्ली छी । अइसँ मातृभाषाके तिरष्कार भेल तथा भाषिक अराजकता उत्पन्न हेत हमरासभके अभिमत अछि। मैथिली भाषाके वदनियपुर्ण तरिकासँ बनल मधेशी भाषाकेँ घोर भत्सना करैत छी।
तए सम्पुर्ण मैथिली भाषाकेँ भावना उपर गम्भीर ठेस पहुँचल । अइ कार्यके संसद सचिवालय तुरन्त वापस लै से माङ्ग करैत जनमत पार्टीद्वारा लेल गेल शपतकेँ अवैध ठहर करैत हुनका सभकेँ पुन: शपत ग्रहण लेल माङ्ग करैछी। अन्यथा हमरासभ अइसँ करगर विरोधमे जाएब से सम्वन्धित सभके अवगत कराबैत छी।
सीके राउत प्रतिनिधि सभा क्षेत्र नं २ सप्तरीसँ विजय भेल छल। पहिल बेर विरोध स्वरूप सीके राउतके पुतला दहन कएल गेल छै। हाल सीके राउत विभिन्न राजनितिक दलके नेतृत्वसभसँ भेटघाटमे व्यस्त छलथि। अपन अभिव्यक्ति चतुराइके संग देब डा.राउतके तिक्ष्णता अछि।