NewsPopular

मुख्यमन्त्री राउत सब प्रति आक्रामक किए ?

प्रदेश २ क मुख्यमन्त्री लालबाबु राउत कोरोना नियन्त्रणमे प्रभावकारी काम नइँ हुअ सकल कहैत सम्पूर्ण प्रति आक्रामक भेल छथि । कोरोनासँ नेपालेमे सभसँ बेसी प्रभावित भेल प्रदेश २ मे सर्वाधिक चिन्ता आ चाँखि बढि रहल समयमे मुख्यमन्त्री राउत कहलथि जे ओ आनप्रति रुष्ट आ आक्रामक भेल छथि।

View Aslo:पूर्व क्रिकेटरकेँ कोरोना संक्रमण

‘केन्द्र सरकार जइँ तरिकासँ गरमेबाक चाही नइँ गरमाएल अछि। स्थानीय प्रशासनसभ सेहो काम करबाक ओहने चाइल रहल अछि। ओ सभ निक्कमा भेल छथि, नीजि क्षेत्र आओर बेसी जिम्मेबार देखाएल अछि। नेपाली वहस कार्यक्रममे पत्रकार ऋषि धमला सङ्ग गप्प करैत मुख्यमन्त्री राउत कहलथि।

ओ कोरोना नियन्त्रणक लेल अपना केन्द्र सरकारसँ स्थानीय प्रशासनधरि पर्याप्त सहयोग नइँ कएलक कहि आरोप लगेलथि । अपना सभ निकाय तथा कार्यालयक बजेट पठेनाइ, काम कर’ लेल लगेनाइ, मन्थन कएनाइ सम्पर्क कएनाइ लगायतके प्रयाससभ कएलो बाद आनकियो वेवास्ता क’ रहल छथि से हुनक कहब रहल छनि।

ओ नीजि मेडिकल कलेजसभक विरुद्धमे कसगर आक्रोश व्यक्त कएलथि। ओकरासभके सरकार अनेक सुविधा देलक मुदा सुविधा उपयोग मात्र करब, सेवा नइँ भ’ रहल हुनक कहब छनि। सरकारी सेवा लेल जनताके सेवा नइँ देब सन दु:खद स्थितिमे नीजि अस्पतालसभक तालाबन्दी मात्र नइँ भ’ खारेजे करबाक पक्षमे स्वयं रहल छथि ओ स्पष्ट कएलथि । नीजि अस्पतालसभ कम्तीमे २० प्रतिशत सेवा कोरोनाक रोगीके करब कहि सहमति कएलो बाद केन्द्र सरकार तकरा पूर्णता नइँ द’ सकल हुनक उपराग छनि ।

Related News for You: राम मन्दिरके भूमि पूजनपर पूनम मिश्राक भिडियो गीत

विद्यानन्द बेदर्दी

Vidyanand Bedardi (Saptari, Rajbiraj) is Founder member of I Love Mithila Media & Music Maithili App, Secretary of MILAF Nepal. Beside it, He is Lyricist, Poet, Anchor & Cultural Activist & awarded by Bisitha Abhiyanta Samman 2017, Maithili Sewi Samman 2022 & National Inclusive Music Award 2023. Email : [email protected]

Related Articles

Leave a Reply