Ad
जनता समाजवादी पार्टी अध्यक्ष उपेन्द्र यादव मधेश प्रदेशमे मुख्यमन्त्री मोहम्मद लालबाबु राउतक राजीनामा माङ्गने छथि।
पार्टीक उच्च स्रोतक जानकारी अनुसार यादव दूटा कारण देखबैत राउतकेँ झट्ट दबर पद छोड़ऽ लेल निर्देशन देलनि।
अध्यक्षजी दूटा कारण देखेने छथि,’ पार्टीक उच्च पदाधिकारी कहलनि, ‘मूख्यमन्त्री स्वच्छता अभियानमे भेल भ्रष्टाचार, आ बेटी बचाउ, बेटी पढाउ अभियानमे भेल चरम अनियमितता । देखु न, अख्तियारो त छापा मारि देलक। मधेशमे अपन सरकारक बहुत बेइज्जती भेल ।
ओ नेताक अनुसार पछिला राजनीतिक समिति बैठकमे यादव राउतकेँ मूख्यमन्त्रीसँ फिर्ता हेबाक लेल चेतावनी समेत देने छलनि। एकर सम्बन्धमे राउतक जवाब प्राप्त नइँ हुअ सकल अछि ।