थप ३ गोटेके मृत्यु : नेपालमे कुल मृतक संख्या ७३

हालके कोरोना अपडेट
स्वास्थ्य तथा जनसंख्या मन्त्राल थप तीनगोटेके कोरोना संक्रमणसँ मृत्यु भेल अछि से पुष्टि कएलक,नेपालमे कुल मृतक संख्या ७६ पहुँचल अछि।
काल्हि पुष्टि भेल मृतकमे दू पुरुष आ एक महिला रहल अछि । एहि सङ्गे कुल मृतकमध्ये ५८ पुरुष, १४ महिला आ १ नव जात बच्चा रहल अछि । कुल मृतकमध्ये तीन गोटे विदेशी रहल अछि । ओसभ मध्ये दू गोटे भारतीय आ एकगोटे चिनियाँ नागरिक रहल छथि।
मृतकक विवरण एहि तरहे रहल अछि :-
१) पर्सा जिला वीरगञ्ज महानगरपालिका छपकैयाके ७४ वर्षीय पुरुष रहल छथि । २३ साओनमे गण्डक अस्थायी कोभिड अस्पतालमे हुनक मृत्यु भेल। ओ मधुमेह आ दमा बेमारीसँ ग्रसित छलाह । २४ साओनमे स्वास्थ्य मन्त्रालय मृत्यु पुष्टि कएलक।
२) मोरङ जिला विराटनगर महानगरपालिकाक ५८ वर्षीय पुरुष रहल छथि। २३ साओनमे कोशी अस्पतालमे हुनक निधन भेल । उक्त रक्तचापसँ ग्रसित निमोनिया भक’ सप्तकोशी अस्पतालमे उपचार करा रहल समय कोशी अस्पताल रेफर कएल गेल छल । २४ साओनमे स्वास्थ्य मन्त्रालय मृत्यु पुष्टि कएलक।
३) काठमाडूक टोखाके ४१ वर्षीय महिला पाटन अस्पतालमे २३ साओनमे निधन भेल अछि । २४ साओनमे स्वास्थ्य मन्त्रालय मृत्यु पुष्टि कएलक।