लण्डन(रासस/एएफपी) बेलायतक ख्यातीप्राप्त उत्पादन कम्पनी एस्ट्राजेनेका कोबिड-१९ बिरुद्धक खोप एहि बर्ष अएबाक एखनो सम्भावना रहल बतौलक अछि।
बितल मंगलदिन ओ कम्पनी विकास केने खोप परीक्षणके क्रममे एकगोटे बिरामी पड़लाक बाद कम्पनी ओ खोपके परीक्षण छोट समयावधीक लेल रोकल गेल बतौलनि अछि।
एस्ट्राजोन बिह्र्स्पतिदिन खोपबारे बजारमे पसरल हल्लाक बाद खोपक परीक्षण तत्काल रोकिक’ परीक्षणमे संलग्न बिरामीके खोपेके कारण स्वास्थमे जटील समस्या भेल वा कि अन्य कोनो कारणे भेल से परीक्षण भ’ रहल आ जल्दिए एकर निर्णय सार्वजनिक करबाक बात बतौलक अछि।
कम्पनीक प्रमुख कार्यकारी अधिकृत ‘पास्कल सोरियट’ सञ्चारमाध्यमके उपलब्ध करौने एक विज्ञप्तिमे कहलक अछि,
“एहिबर्षक अन्त्यधरि वा कि दोसर बर्षक शुरुमे हमसभ एकर खोप उपलब्ध कराएब से सम्भव अछि।”
परीक्षणमे संलग्न भेल एक स्वयंसेवकमे स्वास्थ समस्या देखलाक विवरण पश्चात छोट समयके लेल परीक्षण रोकल गेल अछि,”अकसफोर्ड विश्वविद्यालयक सहकार्यमे
विकसित दबाइके उत्पादन कम्पनी एस्ट्रोजेनेका घोषणा केलनि।
मिथिलामे मनाएल जा रहल अछि, जितिया : आम महिलाके खास पावनि
सुरक्षाके समीक्षा करबाक लेल स्वतन्त्र समितीक गठन कएल गेल अछि मुदा कम्पनी एकर परीक्षणके विश्वासनियताके अक्षुण्ण राख लेल केने नियमित काज बतौलक अछि।
“परीक्षण कहियासँ पुन:सञ्चालनमे लाएल जेतै से बात हमसब एहि समितीसँ निर्देशित हेबै।हमसभ जल्दिए एहि अवसरके बाट जोहिरहल छी।”सोरियट कहलनि।
एस्ट्राजेनेका कम्पनी विकसित केने खोप विश्वमे अन्तिम अवस्थामे परीक्षणमे रहल कहल गेल विभिन्न ९ टा खोपमे नम्बर १ आ सबसँ आशावादी रहल खोप अछि।
कम्पनी अमेरिकाके दर्जनो स्थानसहित ३०,००० अमेरिकी स्वयंसेवक सहित ब्राजिल आ दक्षिण अमेरिकी मुलूकमे खोपक अन्तिम परीक्षण क’ रहल अछि।