News

पत्रकार महासभाक केन्द्रीय सह-संयोजक धर्मेन्द्र कुमार यादव देलक राजिनामा

पिछड़ा वर्ग पत्रकार महासभाक केन्द्रीय सह-संयोजक धर्मेन्द्र कुमार यादव देलक पदसँ राजिनामा।

Ad



पिछड़ा वर्गके हक अधिकार, उत्थानक लेल समर्पित पिछड़ा वर्ग महासभाक भातृसंगठन ‘पिछड़ा वर्ग पत्रकार महासभा’ के केन्द्रीय सह-संयोजक रूपमे रहल युवा पत्रकार, लेखक एवं संचारकर्मी धर्मेन्द्र कुमार यादव पदसँ राजिनामा देलनि।

महासभा मगध प्रदेशक भाषाकेँ अपन मातृभाषाक रूपमे आगु बढ़ेबाक घृणित काजमे लागल, किछु कु-राजनीतिक दल-समूहद्वारा रचल षड़यन्त्रक कारणसँ अपन मातृभाषा मैथिलीकेँ मगहीक नामसँ प्रयोग करब सम्बन्धमे आ मैथिली भाषाप्रति विरोधात्मक काज करबाक कारण राजिनामा देने छथि। मिथिलाचंलमे बसलाक कारणसँ सबहक मातृभाषा मैथिली रहल अछि। एकर विविध शैली, टॅन रहल अछि जे कि अइ भाषाक सादगी छी आ विश्वक एक धनिक एवं समृद्ध भाषा छी। जाति आ धर्म अनुसार नइँ भकऽ भाषा भूगोल अनुसार भेलाक कारण सम्पूर्ण मैथिलक मातृभाषा मैथिली रहल बात यादव बतेने छथि।

शनि दिन पिछड़ावर्ग महासाभाक केन्द्रीय समितीक बैठकके २ नम्बर निर्णयमे मातृभाषा सम्बन्धी निर्णय कएलाक कारण भाषा सम्बन्धी षडयन्त्रप्रति ध्यानाकर्षन भेल आ राजिनामा देलनि से आइ लभ मिथिलाक जानकारी प्राप्त भेल अछि।

विद्यानन्द बेदर्दी

Vidyanand Bedardi (Saptari, Rajbiraj) is Founder member of I Love Mithila Media & Music Maithili App, Secretary of MILAF Nepal. Beside it, He is Lyricist, Poet, Anchor & Cultural Activist & awarded by Bisitha Abhiyanta Samman 2017, Maithili Sewi Samman 2022 & National Inclusive Music Award 2023. Email : [email protected]

Related Articles

Leave a Reply