सुप्रसिद्ध क्रिकेटर भारतीय क्रिकेट टीमक पूर्व कप्तान महेन्द्र सिँह ‘धोनी’ आ सुरेश रैना एके दिन (शनि दिन) क्रिकेटक दुनियाँसँ सन्यासक घोषणा कएने छथि।
Ad
आब’बला दिनक अन्तराष्ट्रिय क्रिकेटमे ओ नइँ खेल’ जोग सन्यास लेने छथि। यद्यपी, ओ भारतमे आयोजन होइत आएल ईण्डियन प्रिमियर लिग (आईपिएल) खेलताह।
भारतक ७४ ओ स्वतन्त्रता दिवसक अवसरमे समेत रहल आइ शनि दिन दुनू दिग्गज क्रिकेटर सन्यास लेलाक बाद हुनकर प्रशंसकसभके निरासा छाएल अछि । महेन्द्र सिँह धोनी अपन ईन्स्टाग्राम पोष्ट मार्फत आब कोनो अन्तराष्ट्रिय क्रिकेट नखेलबाक घोषणा कएलथि।
अपन इंस्टाग्राम पोस्टमे धोनी लिखैत छथि
“ अहाँ सभक प्रेम, स्नेह आ समर्थनक लेल बहुत बहुत धन्यवाद। आइ साँझ ७: २९ सँ हमरा क्रिकेटसँ रिटायर बुझि सकैत छी ।” पोष्ट संगे धोनी एकटा भिडियो समेत शेयर कएने छथि।
३९ बर्षिय एमएस धोनी टेष्ट क्रिक्रेटसँ पहिने सन्यास लेने छलथि। यद्यपी ओ वनडे आ टी–२० मे भारतीय क्रिकेट टिमक हिस्सा बनल छलाह । मुदा, धोनी आब अन्तराष्ट्रिय क्रिकेटसँ सन्यासक घोषणा कएलथि । बिसिसिआई अध्यक्ष सौरभ गाँगुलीके ओ सन्यास लेल गेल चिठ्ठी समेत लिखि लेने छथि।
अहिना, धोनी सेहो सन्यास लेलाक बाद किछुए समयमे प्रसिद्ध क्रिकेटर सुरेश रैना सेहो अन्तराष्ट्रिय क्रिकेटसँ सन्यास लेबाक घोषणा कएने छथि । भारतीय टिमक बल्लेबाज ( ब्याटमान) सुरेश रैना ट्वीट कक’ अपन रिटायरमेन्टक घोषणा कएलथि।