News

दिलीप महतो हत्या प्रकरणमे दू गोटकेँ २५ आ एक गोटेकेँ साढ़े १२ वर्ष कैद सजाय

जनकपुरधाम

Ad

दिलीप महतो हत्या प्रकरणमे जिला अदालत धनुषा तीन गोटेकेँ दोषी ठहर करैत सजाय निर्धारण कएलक अछि।

शुक्रदिन न्यायाधीश चित्रबहादुर गुरुङ्गक इजलासँ दू गोटकेँ २५/२५ वर्ष कैद सजाय आ जनही ५ लाख क्षतिपुर्ति आ एक गोटेकेँ साढ़े १२ वर्ष कैद आ अढ़ाई लाख जरिवाना तोकल गेल अछि।

न्यायाधीश गुरुङ्ग, विपिन कुमार महतो आ मुनिन्द्र महतोकेँ २५/२५ वर्ष कैदक फैसला7 सुनौने छथि, आ पीड़ित परिवारकेँ ५/५ लाख क्षतिपूर्ती देब लेल आदेश देने छथि।

अहिना, मतियारक भूमिका खेलनिहार जितेन्द्र कुमार महतोकेँ साढ़े १२ वर्ष कैद आ अढाई लाख क्षतिपूर्ती तिर’ आदेश कएल गेल छै।

कैलाश कुमार ठाकुर

कैलाश कुमार ठाकुर ,प्रधान सम्पादक , आइ लभ मिथिला डटकम। Kailash Kumar Thakur

Related Articles