News

फिनल्याण्डमे हाल कोरोनाके कुत्तासँ परिक्षण कएल जा रहल अछि

आश्चर्यक बात कुत्ताद्वारा कएल परिक्षणमे १०० % सही नतिजा...

फिनल्यान्डक हेल्सिन्की एयरपोर्टमे कुत्तासभसँ कएल कोरोना भाइरस परीक्षणक नतिजा ‘लगभग शतप्रतिशत सही आएल’ अनुसन्धातासभ बतेने छथि।

Ad

हेल्सिन्की एयरपोर्टद्वारा तालिमप्राप्त कुत्तासभकेँ प्रयोग कक’ कोरोना परीक्षण शुरू कएल गेल अछि। ओ कुत्तासभके यात्रुक पसिनाक गन्ध सुँघिक’ आ तेकरे आधारमे संक्रमण अछि कि नइँ पत्ता लगबै छै।

कुत्तासँ कएल जाएबला कोरोना परीक्षण अनुगमन भ’ रहल अछि हेल्सिन्की विश्वविद्यालयक आना हेल्म बिज्रोकम्यान एकरा ‘उत्साहजनक नतिजा’ कहने छथि।

‘ई परीक्षणक क्रममे अछि, एकर नतिजा पूर्ण रूपमे पुष्टि जँ हएत तँ अन्य विमानस्थल, अस्पताल, घर वा सार्वजनिक ठामसभमे ईहए तरिकासँ कोरोना परीक्षण क’ सकैत अछि,’ ओ कहलथि।

अखनधरिके नतिजाअनुसार ई पिसिआर परीक्षणक तुलनात्मक दृष्टिकोणसँ शुलभ, सस्ता आ प्रभावकारी देखल जाइत अछि। पिसिआर परीक्षणक नतिजा ७० प्रतिशत मात्र सही पाओल गेल अछि।

कोरोना परीक्षण लेल कुत्ता प्रयोग कर‘ मे फिनल्यान्ड पहिल युरोप्ली मुलुक अछि।अस्ट्रेलिया, फ्रान्स, जर्मनी आ बेलायत सेहो इहए तरहक अनुसन्धान क’ रहल अछि। दुबई अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थल सेहो पछिलाँ मास एहने परीक्षण कएने छल।

ई विधिअनुसार हेल्सिन्की विमानस्थलमे यात्रुसभ प्रवेश करितेँ ओसभकेँ मुह आ कण्ठ पोछ’ लेल अरहाओल जाएत। एना पोछैत देरी पसिनाक गन्ध टिस्यू पेपरमे जाएत। यात्रुसभ ओ पेपर डब्बामे रखता । तकरबाद कुत्तासभ काज शुरू करत।

यात्रु पसिना पोछिक’ पेपर कुत्तासबके सुँघ’ लेल लगाओल जाएत।अध्ययनकर्ताक अनुसार तालिमप्राप्त कुत्तासभ १० सेकेन्डमे संक्रमित व्यक्ति पत्ता लगा सकैत अछि। यात्रु एयरपोर्ट पहुँचैत ई प्रक्रिया पूरा हुअ लेल जम्मा एक मिनेट लागत से ओसभ दाबी करैत छथि।

एकर लेल एकेबेर १६ टा कुत्तासभकेँ प्रशिक्षण देल गेल छल।

ओइमध्ये ४ टा कुत्ताके एयरपोर्टमे खटाओल गेल अछि। ६ टा कुत्ता प्रशिक्षणमे अछि। बाँकी कुत्ता हो-हल्ला हुअबला ठाममे काम कर’ नइँ सकल अछि।

विद्यानन्द बेदर्दी

Vidyanand Bedardi (Saptari, Rajbiraj) is Founder member of I Love Mithila Media & Music Maithili App, Secretary of MILAF Nepal. Beside it, He is Lyricist, Poet, Anchor & Cultural Activist & awarded by Bisitha Abhiyanta Samman 2017, Maithili Sewi Samman 2022 & National Inclusive Music Award 2023. Email : [email protected]

Related Articles

Leave a Reply