विगत ४ वर्षसँ UAE के आवुधावीस्थित बुर्जिल अस्पतालमे चर्म रोग विशेषज्ञ रूपमे कार्यरत सप्तरी, डिमन (हाल: विराटनगर) निवासी डाॅ. रविन्द्र यादव Golden Visa प्राप्त कएने छथि।
वि. सं. २०१३ मे UAE आएल डाॅ. यादव चर्म रोग विशेषज्ञ छथि अल ऐन एल अल नुर अस्पतालसँ स्वास्थय क्षेत्रमे प्रवेश कएल डाॅ. यादव हाल बुर्जिल अस्पताल आवुधावीमे कार्यरत छथि। त्रिभुवन विश्वविद्यालय टिचिङ्ग अस्पताल महाराजगंजसँ MBBS उतिर्ण करि डाॅ. यादव बनारस हिन्दू युनिभर्सिटी बारानसी भारतसँ MD कएने छथि।
अपन अध्ययन पुरा कएलाबाद ओ किछु समय नोवेल मेडिकल निर्देशकक रूपमे काज कएलनि। सन् २००२ मे ओ यातना पीड़ित सरोकार केन्द्रक पूर्वाञ्चल क्षेत्रीय निर्देशक रूपमे काज कएने छलनि।
ओ भारतक कुटानियस सर्जनसब भारतीय प्रसाधनीक चर्म विज्ञान सोसाइटीक आजीवन सदस्य, अमरेकिन एकेडेमी एस्थेट मेडिसिनक वार्षिक सदस्य आ अमेरिकन एकेडेमी डर्मेटोलोजीक अन्तराष्ट्रिय फेलोमे समेत आवद्ध छथि।
सरकार विगत किछु माससँ विशेष व्यक्ति आ पेशामे आवद्ध गैर नागरिकसबकेँ गोल्डेन भिसा दैत आएल अछि। जाहिमे डाॅक्टर, शिक्षण पेसामे आवद्ध शिक्षक, शिक्षिका, व्यवसायिक व्यक्तित्व, कलाकारसबकेँ गोल्डेन भिसा दैत आएल अछि। भिसाक अवधी १० वर्षधरि होइत अछि।