कोभिड-१९ सँ संक्रमित बेमारसभक उपचारमे पछिलाँ एक वर्षसँ सक्रियतापूर्वक खटल राजविराजस्थित गजेन्द्र नारायण सिंह अस्पतालक सिनियर कन्सल्ट्यान्ट फिजिसियन तथा प्रमुख डा. रणजीत झा कुशल गायक, गीतकार एवं संगीतकार सेहो छथि से बहुआयामीक छवि बहुतेकेँ देखल-सुनल नइँ अछि।
सम्पूर्ण स्वास्थ्यकर्मीसभक सम्मानमे जिनक गीत ‘न सोध मलाई’ किछुएँ दिन पूर्व सार्वजनिक भेल अछि।
‘नसोध मलाई’ बोलक उक्त नेपाली भाषाक गीतमे संक्रमितसभक उपचारमे खटल चिकित्सकसभक मनोदशा मात्र नइँ, चिकित्सकसभ अपन सम्पूर्ण वेदना बिसरि बेमारक उपचारमे ईमान्दारिताक सङ्ग खटल-जुटल छथि आ सदति अपन पेशाप्रति जिम्मेवारीक पोटरी कान्हपर लधने रहबाक सन्देश द’ रहल अछि ।
डा. रणजीत झाद्वारा प्रस्तुत कएल उक्त गीतमे
गीतमे शब्द गढ़ने छथि गिरिराज निरौला। गीतमे डा. झा आ गीतकार निरौलाक सङ्गीत निर्देशन रहल अछि। महाराज थापाक संगीत संयोजन रहल अछि तँ साजन शाह अइ गीतक मिक्सिङ्ग तथा मास्टरिङ्ग कएने छथि।
गायक डा. झाक अनुसार विदेशमे रहि रहल गीतकार गिरिराज निरौला पछिलाँ वर्ष कोरोना संक्रमणक जोखिमक बीच डा. झासहित सम्पूर्ण चिकित्सकसभक बाध्यताकेँ गीतमे उतारने छथि।
भिडियोमे निर्देशक निशान कश्यपक अवधारणा तथा निर्देशन रहल अछि । महेश खडका आ सुशिला थापाक अभिनय रहल भिडियोमे गायक डा. झा गजेन्द्र ना. सिंह अस्पताल राजविराजक लोकेसन राखि चिकित्सकक पात्रमे प्रस्तुत भेल देखाइत छथि । भिडियोमे अस्पतालमे उपचाररत संक्रमितसभक सेहो चित्रण कएल गेल अछि ।
गायक डा. झाक व्यक्तिगत Youtube Channel ‘Ranjit Kumar Jha’ पर बितल शुक्रदिन सार्वजनिक भेल ‘न सोध मलाई’ गीत कम समयमे बेसी जन-मनधरि पसरि रहल आ पसिन क’ रहलक आभाष अबैत अछि। हालक अपडेट अनुसार ३ लाखसँ बेसी बेर ई गीतकेँ देखल-सुनल गेल अछि। गायक डा. झा राष्ट्रिय एवं स्थानिय एफ. एम. रेडियो, पत्र-पत्रिका, अनलाइन मेडिया आ सामाजिक संजालपर एकछहा छाएल छथि। आइकाइल अपन पेशाक अलावा बचल समय कपचि फोन सम्पर्क तथा लाइभक मादे विविध अन्तर्वातामे व्यस्त रहल करैत छथि।